अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
14 फ़र॰ 2020
दुर्लभ पक्षीराज : दुनिया मे सबसं बेसी गरुड़ मिथिलाक धरती पर
मिथिला धरोहर : पूरा दुनिया मे गरुड़ के संख्या 800 सं 900 के बीच अछि। मुदा एकर अदहा संख्या (करीब 500-550) भागलपुर के कदवा दियारा, खैरपुर और दोसर पंचायत मे अछि। इ दावा गरुड़ सरंक्षण पर काज क रहल मंदार नेचर क्लब के अछि।
पर्यावरणविद और मंदार नेचर क्लब कहैत अछि जे 2006 मे गंगा के कोसी दियारा मे 18 खोंता के अंदर 78 गरुड़ देखल गेल छल। 2019 मे सवा सौ खोंता मे गरुड़ के संख्या बढ़कर 500-550 भ गेल। 2018-19 मे तकरीबन 160 गरुड़ के जन्म भेल। भागलपुर मे गरुड़ के संख्या बढबाक संगे दुनिया भरी मे एकर संख्या बढ़कर आब दोगुना भ गेल।
इहो पढ़ब :-
भागलपुर के निकट नवगछिया क कदवा दियारा गरुड़ अभयारण्य के रूप मे विकसित भ गेल अछि।विश्व मे गरुड़ के संख्या के मामला मे असम के कामरुप वन दोसर स्थान पर अछि। विश्व मे एकर बाद कंबोडिया मे 100-150 गरुड़ भेटल गेल अछि।
भागलपुर के नदी क्षेत्र मे प्रवासी पक्षि के आवाजाही पर आब बांबे बांबे नेचुरल हिस्ट्री साेसाइटी (बीएनएचएस) नजर राखत। भागलपुर मे देश के चौथा रिंगिंग बर्ड सेंटर खोलबाक प्रयास शुरू भ गेल अछि। अहि सं पहिले राजस्थान, ओडिशा आ तामिलनाडु मे इ केंद्र स्थित छल।
इहो पढ़ब :-
अहि टोल मे अछि गरुड़ क बसेरा
कोसी के कदवा दियारा और खैरपुर पंचायत के कसीमपुर, लखमिनिया, आश्रम टोला, गोला टोला, खैरपुर मध्य विद्यालय, गुरु स्थान, ठाकुरजी कचहरी टोला, बगरी टोला, प्रतापनगर, खलीफा टोला, बिंद टोली, पंचगछिया आदि मे गरुड़ के बसेरा अछि।
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/02/Darbhanga-bela-palace.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/sutal-chhalhun-ham-eksari-sajani-ge.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithila Information,
vishesh
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !