अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
13 अप्रैल 2020
भूतनाथ मंदिर महिनाम, पोहद्दी : शमशान घाटक बीच 300 वर्ष पुरान मिथिलाक एकटा मंदिर
मिथिला मे अनेको मंदिर अछि आ किछ त सैकड़ो वर्ष पुरान अछि। अहि मंदिर मे एक मंदिर अछि भुतनाथ ( Bhootnath Mandir Mahinam, Pohaddi ) केर जे दरभंगा जिलाक बेनीपुर अनुमंडल सं करीब 5 कि०मी० दूर अछि। ख़ास बात इ अछि जे इ मंदिर कमला नदी कात स्थित अछि। मंदिर के एकटा और विचित्रता इ अछि जे इ शमशान घाटक ठीक बीच मे स्थापित अछि जेना कि दरभंगा के श्यामा माय मंदिर।
महिनाम घाट, महिनाम गाँव जतय इ मंदिर अछि, दर्शन लेल, दरभंगा-मधुबनी जिला समेत दोसर जिला सं लोग बाबा भुत नाथ केर दर्शन करबाक लेल आबय रहैत छथि। ‘ बाबा के दर्शन केला मात्र सं मोन के सकून भेटैत अछि।
परिसर मे प्राचीन ब'र क गाछ
अहि मन्दिर परिसर मे वर्षों पुरान एकटा ब'र (बरगद) क गाछ अछि अपन अजूबेपन लेल प्रसिद्ध अछि। ओना त लोग एतय सालों भैर आबैत-जाइत रहैत अछि मुदा पहिला जनवरी, माघी आ कार्तिक पूर्णिमा, शिवरात्रि, नरक निवारण चतुर्दशी आ श्रावण'क सोमवारी के लोग के बहुते भीड़ बाबा भूतनाथ केर पूजा-अर्चना लेल उमैर परैत अछि।
इहो पढ़ब:-
इ मंदिर लगभग 300 वर्ष पुरान अछि। अहि मंदिर के स्थापना जोगियारा स्टेट के मालिक ललित प्रसाद के वंशज केने छलथि। मंदिर के रख रखाव लेल ललित प्रसाद के वंशज 17 बीघा जमीन मन्दिर के दान मे देने छलथि। मुदा लग पासक गामक लोग मंदिर के सबटा भूमि हरैप लेने अछि।
सिद्धेश्वर नाथ मंदिर के नाम सं सेहो प्रसिद्द
मन्दिर मे दु फीट के शिव लिंग स्थापित अछि, अहि परिसर मे हवन कुंड , महावीर मन्दिर, संत कुटी, तपस्वी भवन, चाइर टा शौचालय, आ चाइर टा चापाकल श्रद्धालु लेल उपलब्ध अछि।
इहो पढ़ब:-
बाबा भूतनाथ केर पूजा झींगुर पंडा के वंशज करैत आबि रहल अछि। अहि मंदिर के स्थापना श्मशान मे भेल अछि ताहिलेल अहि मंदिर के सिद्धेश्वर नाथ मन्दिर सेहो कहल जाइत अछि। बिहार राज्य धार्मिक न्यास बोर्ड अहि मंदिर के अधिग्रहण क लेने अछि।
Tags
Mandir
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/04/mithila-wonderful-pic.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/04/maithili-bisahari-lok-geet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mandir
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


Om namah shivay, bahute sundar
जवाब देंहटाएं