रविवार, 15 अगस्त 2021

बेनीपुर अनुमंडलक महिनाम गांव में भव्य मंदिन में विराजय छथि श्यामा माय

Kali Mandir Mahinam, Benipur : महिनाम काली मंदिर
दरभंगा जिला के बेनीपुर अनुमंडल सँ लगभग 4 किलोमीटर दूर महिनाम गाम में ग्राम पंचायत आ मध्य विद्यालय के ठिक बगल मे माँ काली केर विशाल, भव्य आ सुन्दर मन्दिर स्थापित अछि। अहि मन्दिर मे माँ काली केर मोहक प्रतिमाक अलावा माँ लक्ष्मी और माँ सरस्वती विराजमान छथि। माँ काली केर प्रतिमा कारी रंग के अछि जे भगवान शंकर के छाती पर एकटा पैड़ द के ठाड़ छथि एकर अलावा माँ लक्ष्मी और माँ सरस्वती के प्रतिमा उज्जर रंग के अछि। 
एतय सब दिन सांझ के विशेष संध्या आरती कैल जाइत अछि।

अहि प्रतिमा के कलकत्ता'क कारीगर द्वरा निर्मित कैल गेल अछि, जेकरा 2, फरवरी, 2008 के मंदिर मे बहुते धूम-धाम सँ स्थापित कैल गेल छल। 
एतय सब साल अमावास्या, कृष्णा पक्ष, आश्विन (दिवाली) सँ चाइर दिन धरि माँ कालि केर विशेष पूजा अर्चना कैल जाइत छनि, और अहि दौरान सांगितिक कार्यकर्म के संग भव्य मेलाक आयोजन सेहो होइत छैक। 
कोना पहुँचब :-
श्याम माईक दर्शन करबाक लेल अहि लिंक पर क्लिक क के पंहुच सकै छी 👉 गूगल मैप 🌍

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !