बुधवार, 11 नवंबर 2020

तिलकोर के तरुआ - Tilkor Taruaa

सामग्री

8 तिलकोर के पत्ता

1 बड़का चम्मच अरवा चाउर (पीसल)

1 छोट चम्मच हरैद

1 छोटकी चम्मच लालका मिरचाइ बुकनी

1 बड़का चम्मच नून (स्वादनुसार )

2 बड़का चम्मच तेल

विधि:-

सबसं पहिले तिलकोरक पत्ता के निक चँका धोइ लिअ । चाउर के 1 घण्टा लेल पैइन मे फूलय (भिगो के) लेल राइख दियौ फेर ओकरा पीस लिअ। एक दिस चूल्हा पर कढ़ाही राखी क ओहिमे 2 बड़का चम्मच तेल द क गरम क लिअ। आब पीसल गेल चावल मे हरैद, नून, लाल मिर्च बुकनी, द दियौ और घोल तैयार क लिया आब तिलकोर के पत्ता क घोल मे नीक सं लपेट क गर्म तेल मे द दियौ। एकरा दुनु दिस सं तरु जहन दुनु दिस लाल भ जाय त निकाइल लिअ। आब अहाँ तिलकोर के तरुआ तैयार अछि। आब एकरा डाइल भात संगे इसे परैस सकै छि ।

 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !