गुरुवार, 14 जनवरी 2021

बॉलीवुड में धमाल मचेने छैथ मैथिल डांसर शरद झा | Maithil Dancer Sharad Jha

मिथिला धरोहर, (प्रभाकर मिश्रा 'ढुन्नी') : मूलरूप सं मुजफ़्फ़रपुर जिलाक लदौर गामक रहय बला शरद झा ( Dancer Sharad Jha ) बॉलिवुडक लगभग सब नामचीन कलाकार संग डांस क’ चुकल छैथ। हैंगओवर..., कैरेक्टर ढीला है..., चिकन कुकड़ू कु..., मेरे ब्रदर की दुल्हन..., एहन कतेको  फेमस गाना मे इ अपना के साबित केलैथ हन।

गेजुएशन (बीकॉम) केलाक उपरांत आगूक पढ़ाई नै  क पेलैथ। एकटा पार्टी में हिनका डांस करैत देख किछ प्रोफेशनल डांसर हिनका प्रोफेशनल डांसर लेल ट्राय करबाक सलाह देलकैन। ओहि पश्चात डांसर्स एसोसिएशन बॉलिवुड के लेल ऑडिशन देलैथ आ 2007 में डांसर्स एसोसिएशन बॉलिवुड सं जुड़ी गेलैथ।

पहिले हिनकर पिता श्याम कुमार झा के लागय छलैन जे इ किछ नै क पेता मुदा जहन डांसर्स एसोसिएशन के मेंबर भ के पहिल बेरा ग्रुप संग दुबई सं शूटिंग पूरा क वापस एला तहन हिनकर पिता जी हिनका सं कामक बारे मे विस्तार सं जानकारी लेलैथ आ तहन विश्वास भेलनि।

इहो पढु - आखिर मिथिला के एकटा स्त्री सँ किया पराजित भ गेलथि आदि शंकराचार्य

शारद झा एखन धरि लगभग 400 गाना के शूट क चुकल छैथ। 200 स्टेज शो आ कतेको ऐड क चुकल छैथ। बॉलिवुड के लगभग सबटा बड़का स्टार के संग काज चुकल छैथ। पहिल गाना के शूटिंग शाहरुख खान के फिल्म 'डॉन' में केलैथ। अखन धरिक सबसँ बेस्ट स्टेज शो आइफा अवार्ड 2012 में हिनका काज करबाक अवसर सेहो भेटल छैन।

शरद झा एखन धरि 'स्टार गोल्ड अवॉर्ड्स 2006 आ 2007, 'स्टार परिवार अवॉर्ड्स 2012, बिग बॉस मे डांस परफ़ॉर्मेंस सहित बहुत रास हिन्दी फिल्म में अपन नॄत्य कलाक प्रदर्शन क’ चुकल छैथ। जेना 'डॉन', 'दोस्ताना', 'यमला पगला दीवाना -2', "बेशरम', 'मेरे ब्रदर की दुल्हिन', 'गुन्डे', 'डु नॉट डिस्टर्ब', 'किक', 2 स्टेट्स', 'आगे से राइट', 'जय हो', बजरंगी भाईजान', 'रेड्डी', 'दिलवाले', आदि फिल्म में हिनक डांस देखल जा सकैत अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !