शुक्रवार, 26 फ़रवरी 2021

मिथिलाक बेटी अभिनेत्रि नीतू सिंह के एकटा परिचय

बेगुसराय जिला के पोखरिया मोहल्ला के रहय वाली नीतू सिंह ( Neetu Singh From Begusarai ) अपन प्रतिभा ने अनेको अतुलनीय उदाहरण प्रस्तुत केने छथि। नीतू सिंह हिमाचल प्रदेश स्थित ''नाट्य कला अकादमी'' सं अभिनय के विधिवत प्रशिक्षण प्राप्त केने छथि। मुम्बई मे संघर्षों करैत हिनका अभिनेत्री के रुप में 'सखी' फिल्म मे काज करबाक अवसर भेटलनि। मुदा अहि फिल्म के अत्यधिक लोकप्रियता नै भेटल।

इहो पढु - कनि हैंस क कहूं, कनि कैस क कहूं - लिरिक्स

मैथिली फ़िल्म ''दुलरुआ बाबू'' ( Maithili Film Dularua Babu ) में मुख्य अभिनेत्रीक नीक भूमिका सं दर्शक के बड्ड प्रभावित केने छलीह। संगहि, अंगिकाक पहिल फ़िल्म “खगड़िया बाली भौजी” (2007) में सेहो मुख्य अभिनेत्री छलीह।

रंगमंच मे सक्रिय रही चुकली नीतू जी डीडी वन पर प्रसारित सीरियल ''मैं कुछ भी कर सकती हूं'' आ  ''एअर होस्टेस''मे लीड भूमिका निभा चुकल छथि। नीतू जी के एकटा हरियाणवी फ़िल्म ”तेरा मेरा वादा’ (2012) अछि जाहिमे हिनकर किरदार मुख्य अभिनेत्रीक रूप में छल।

जीटीवी पर प्रसारित सीरियल "आपकी अंतरा" और स्टार वन पर प्रसारित ''ये इश्क है'' के अलावा पकड़उआ बियाह पर आधारित ''सूली ऊपर सेज पिया की'', ''हिंसा परमो धर्म'', ''जट-जटिन'', ''फंदी'', ''तीसवीं शताब्दी", "समझौता", "आषाढ़ का एक दिन" सहित कतेको नाटक मे अभिनय के लोहा मनवा चुकली छथि।

नीतू सिंह अहिसं पहिले सिनेमा के महानायक अमिताभ बच्चन, अक्षय कुमार,शाहरुख खान आ सलमान खान  के संगे सेहो काज क चुकल छथि। निविया क्रीम, बाघ बकरी, टाटा मोटर्स, क्रेक, रसना, नेरोलेक पेंट सहित कतेको बड़का ब्रांड के एड फिल्म मे ओ काज क चुकल छथि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !