शनिवार, 25 सितंबर 2021

Pravesh Mallick Biography | प्रवेश मल्लिक : संगीत जगतक चमकैत नाम

प्रवेश मल्लिक ( Pravesh Mallick Mousic Composer ) के जन्म नेपाली के जनकपुर मे 1 जुलाई 1980 के भेल छनि। प्रवेश जी अपन प्रारंभिक संगीत प्रशिक्षण पंडित लक्ष्मी नारायण दास, पंडित शिव लाल, पंडित राम आ मिनाप (मिथिला नाट्य कला परिषद) सं केलथि।

बाद में भारतीय शास्त्रीय संगीत मे उच्च प्रशिक्षण के लेल नई दिल्ली आबि गेला आ प्रतिष्ठित गंधर्व महाविद्यालय, नई दिल्ली मे प्रवेश प्राप्त केलथि। ओतय हुनका आईएस बावरा, सुजीत ओझा, सुधांशु बहुगुणा एहन शिक्षक के सानिध्य मे शास्त्रीय गायन संगीत सिखलथि। अंत मे, पंडित मधुप मुद्गल के मार्गदर्शन मे संगीत के विभिन्न पहलु के सीखबाक अवसर भेटलनि। 

इहो पढ़ब :-

● अपन बनाक हमर दिल चुरा लेलौं अहाँ - Full Lyrics - आउ पिया हमर नगरी

सूफी रॉक फ्यूजन बैंड 'सानिध्या' के संस्थापक प्रवेश मल्लिक एकटा मंचक कलाकार के रूप मे काज करबाक उपरांत प्रसिद्ध मैथिली गायक सुनील मल्लिक संग ई मैथिलीक चर्चित अलबम '"गीत घर घर के", "छौरा तोरा बज्ज़र खसतौ", ''हमर धकधकी बढेय", "खोंता सिंगार", "लेहुआयल आँचर", आदिक बाद मैथिली फिल्म "मुखियाजी" के संगीत सेहो देने छथि।

बॉलीवुड गीत संगीत मे हिनका पहिल ब्रेक भेटलनि प्रकाश झा के 2016 में आयल हिंदी फिल्म 'जय गंगाजल' सं जाहिमे पार्श्व गायक आ संगीतकार के रूप मे शुरुआत केलथि। फेर मैथिली फिल्म "प्रेमक बसात" आ "मिथिला मखान" मे संगीतकार के रूप मे काज करबाक अवसर सेहो भेटलनि। आगू 'बरेली की बर्फी',  'चकलासपुर' (2017, 'जबरिया जोड़ी' (2019), 'तानाशाह' (2020), 'कागज' (2020) आदि मे सेहो काज केलथि।

इहो पढ़ब :- 

हिनकर काजक लिस्ट बहुते नमहर अछि, अहि में "रन वे लुगाई", "बीहड़ का बागी" (MX प्लयेर), "रेड वेलवेट'' (हंगामा प्ले), "बनारस वनीला", "ट्रांजिस्टर" (अमेज़न मिनी टीवी), ऐड फिल्म 'कल्याण जेवेलरी', आ ,अनवांटेड 21, किछ नाम अछि। मैथिली गीत मे "नमड़ी लुच्चा", "झींगुर", "परदेशिया", "बेकल भेल जियरा", "उड़े रंग अबीर गुलाल", "जट जटिन", "जगमग करै इ संसार", "के पतिया" किछ गीतक नाम अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !