मंगलवार, 26 अक्तूबर 2021

अरिकोंच के तरकारी विधि : अरिकंचन के सब्जी

सामग्री:-

6-8 अरिकोंच पत्ता

1/4 छोटका चम्मच बेसन (झोर लेल)

1 बड़का चम्मच तेल (करू तेल )

1/4 छोट चम्मच हरैद

1/2 छोट चम्मच धनियाँक बुकनी

1/2 छोट चम्मच जीर पाउडर

1/2 छोट चम्मच गोट

1/4 छोट चम्मच पिसल गोट

4-5 फुइट लहसुन 

एक चुटकी हींग


1 टा बड़का प्याज

1/2 छोटका चम्मच अदरक

2 टा टमाटर

1 टा बड़का चम्मच नेबो कऽ रस

2-3 सूखल लाल मिर्च

1/2 छोटका चम्मच लाल मिर्च पाउडर

 स्वादनुसार नून


इहो पढ़ब:-

● एकमात्र अंकुरित सरस्वती - गम्हरिया (बेनीपट्टी)


विधि:-

पहिले अरिकंचन पता कऽ साफ लिअ, चटुआ या सिलौठ पर अरिकोंचक पत्ता बिछा कऽ ओहिमे सौसे बेसन लगा कऽ गोल-गोल लपेट कऽ लोड़हा बना लिअ। कनि देर सुखलाक बाद, गोल-गोल चक्का काइट लिअ। चूल्हा पर कड़ाही दऽ ओहिमे छांनय जोकर तेल दऽ ओहि मे अरिकोंच के छाइन लिअ।

झोर के लेल

कड़ाही मे एकटा बड़का चम्मच तेल के गरम भेला पर सरसों, सूखल लाल मिर्च, हींग दऽ दियौ। आब प्याज, अदरख, लहसुन, सरसों के पीस कऽ पेस्ट बना लिअ आ तेल मे खसा कऽ एकरा किछ देर तक भुजू। जीरक पाउडर, धनियाँ पाउडर, हल्दी पाउडर, ललका मिरचाय पाउडर, टमाटर आ निमक दऽ के ब्राउन हेबा तक भुजू। फेर ऐयमें पाइन दऽ के पकाबु। आब तरलाहा अरिकोंचक चक्का दऽ कऽ दस मिनट तक पकाबु। आब नीबू कऽ रस दऽ कऽ एकरा भात या सोहारी संगे परोसु।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !