अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
26 नव॰ 2021
अभिनेता रवि भूषण भारतीय : मिथिलाक लाल
फिल्म पान सिंह तोमर मे बॉलीवुड के प्रसिद्ध अभिनेता इरफान खान के संग हुनकर भतीजा बलराम सिंह तोमर के किरदार निभेनिहार रवि भूषण भारतीय (Actor Ravi Bhushan Bharatiya ) मूल रूप सं पूर्णिया के कसबा के रहनिहार छैथ। जवाहर नवोदय विद्यालय, पूर्णिया सं स्कूल शिक्षा प्राप्त करबाक पश्चात माखनलाल चतुर्वेदी पत्रकारिता विश्वविद्यालय, भोपाल सं पत्रकारिता के डिग्री लेलथि। एहि क्रम मे भोपाल मे हबीब तनवीर (नया थियेटर), बंशी कौल, आलोक चटर्जी, अलकनंदन (नट बुन्देले) जेहन अनुभवी नाटक निर्देशकक संग चारि साल काज करैत रहलाह। पछाति ओ दरभंगा मे जन्म लेनिहार राम गोपाल बजाज सं अभिनयक सूत्र सिखलाह। अतबेटा नहिं, ओ प्रयाग संगीत समिति, इलाहाबाद सं तबला वादन मे डिप्लोमा सेहो केने छैथ।
ताहि उपरांत 2004 फिल्म इंस्टिट्यूट पुणे मे अभिनय के शिक्षा लेलनि। ओहि ठाम सं 2006 मे अभिनय मे स्नात्कोत्तर डिप्लोमा प्राप्त केलनि। FTTI मे अन्तिम वर्ष मे ओ अपन डिप्लोमा फिल्म ‘वो सुबह किधर निकल गई’ बनौलथि। एहि फिल्म मे हुनक भूमिका एकटा शिक्षित नक्सलवादी के छल। फेर हुनक पहिल फिल्म "पान सिंह तोमर' मे दोसर मुख्य भूमिका करैत अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केलनि। अहि फिल्म के दु टा नेशनल अवार्ड सेहो भेटल ऐछ। ताहि उपरांत 2011 में "फ़ोर्स", 2012 मे "फिल्मिस्तान" आ सलमान खान के फिल्म "दबंग 2" मे सेहो बड़ नीक अभिनय केलैथ।
इहो पढ़ब:-
हुनकर अभिनत फिल्म 'शी-द मूवी' (2015), 'रात अकेली है' (2020), 'क्राइम नेक्स्ट डोर' (Disney+ Hotstar), 'लाइफ ऑफ एन आउटकास्ट', 'जमतारा' (Netflix) आदि नाम अछि।
इहो पढ़ब:-
अभिनय के अतिरिक्त, रवि भूषण भारतीय जी ईटीवी मध्य प्रदेश के लेल फ़्रीलैन्स स्क्रिप्ट राइटर आ पंजाब केसरी, जालन्धर केर उप सम्पादक के रुपमें कार्य कय चुकल छैथ।
Tags
Mithilak Artist
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/11/maheshvani-maithili-lok-geet.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/11/gonu-jha-ke-char-sau-bees-thop.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithilak Artist
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)




aaju hum jani saklau ki aloknath jee appan mati Pani ke cchhaithi e bad nik lagal
जवाब देंहटाएं