सोमवार, 1 नवंबर 2021

पूरण देवी मंदिर, पूर्णिया के इतिहास बहुते पुरान अछि

माँ पूरण देवी मंदिर ( Maa Puran Devi Mandir, Purnia ) पूर्णिया जिला मुख्यालय सं मात्र 5 किलोमीटर के दूरी पर चिमनी बज़ार मार्ग (पूर्णिया सिटी) मे स्थित अछि। शहर के चर्चित आ प्रसिद्व धार्मिक स्थल में माँ पूरण देवी मंदिर के इतिहास लगभग ढा़ई सौ वर्ष पुरान अछि। ताहिलेल अहि पूजन स्थल पर श्रद्वालु के अपार भीड़ लागैत अछि।

छवि - राहुल कुमार
एक दिस पूर्व दिशा मे स्थित माता पूरण देवी के दरबार अछि त दोसर दिसन अहिके अंदर प्रवेश करबाक पहिले पश्चिम दिशा मे माता दुर्गा के मंदिर अछि।

इहो पढ़ब:-

छवि - अनीश दास
आब एतय पिछला दु दशक से मंदिर का निर्माण सेहो कराओल गेल ऐछ आ मंदिर मे संगमरमर के प्रतिमा स्थापित कैल गेल अछि। अहि प्रतिमा के साल भैर प्रतिदिन पुजारी पूजन करैत अछि। दुर्गा पूजा अर्थात नवरात्रि मे दुर्गा जी के पूजाक लेल माटि के मां दुर्गा समेत अन्य मूर्ति बनायल जाइत अछि। जतरा के अहि मूर्ति के विसर्जन क देल जाइत अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !