माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2,
अंगनमा मे, हे भवनमा मे -2,
माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2
सांपहि सांप बाम-दहिन छल -2,
चित्र-विचित्र बसनमा मे -2,
माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2
नित दिन भीख कतऽ सँ लायब -2,
घूर फिर जाहु अंगनमा मे -2,
माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2
भीखो ने लय छै जोगी, घुरियो ने जाइ -2,
गौरी हे निकलू अंगनमा मे -2,
माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2
भनहि विद्यापति सुनू हे मनाइन -2,
शिव सन दानी के भुवनमा मे -2,
माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2
अंगनमा मे, हे भवनमा मे -2,
माई हे जोगी एक ठाढ़ अंगनमा मे -2
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !