अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 दिस॰ 2021
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Sama Chakeva Geet
/
सामा खेलऽ गेलौं माइ हे फला भैया आंगन - सामा चकेवा लोकगीत
सामा खेलऽ गेलौं माइ हे फला भैया आंगन - सामा चकेवा लोकगीत
सामा खेलऽ गेलौं माइ हे सौरभ भैया आंगन
आहे, कनियां भौजी लेलनि लुलुआय
कि ननदि कतऽ अयलौं हे
जुनि लुलुआउ हे भौजो, जुनि पढ़ू गारि
आहे जाबत रहबै माय-बाप राजमे
ताबत खेलब सामा हे
आहे माय-बापक राज जहिया छुटि जेतै हमरो
छुटि जैते तोहरो आंगन हे
आहे, जाबत रहबै माय-बाप राजमे
सामा खेलऽ आयब हे
आहे, एतबा वचन जे सुनल मोर भइया
मारल बरछी घुमाय
कि बहिन मोर पाहुन रे
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/12/gonu-jha-story-bump-into-a-fool.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/saam-chak-saam-chak-abih-he-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !