सामा फेरलो ने जाय, गे माइ कोना कऽ
कथी केर नाव नवेरिया, कथी करुआरि
कथीए चढ़ि हमर भइया, जयता ससुरारि
सामा फेरलो ने जाइ, गे माइ कोना कऽ
सोना केर नाव नवेरिया रूपे करुआरि
ताहि चढ़ि हमर भइया जयता ससुरारि
कथी केर नाव नवेरिया कथी करुआरि
कथी चढ़ि चुगिला भरुआ जयता भनसारि
काठ केर नाव नवेरिया बांसे करुआरि
ताही चढ़ि चुगिला भरुआ जयता भनसारि
सामा फेरलो ने जाय गे माइ कोना कऽ
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !