अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
15 अप्रैल 2015
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Udasi Geet
/
तोहर दरस मुख छूटत सखि हे लिरिक्स - मैथिली उदासी गीत
तोहर दरस मुख छूटत सखि हे लिरिक्स - मैथिली उदासी गीत
तोहर दरस मुख छूटत सखि हे,
जखन जायब हम गाम
तखन मदन जीव लहरत सखि हे,
कि देखि करब ज्ञान
बिसरि देत नहि बिसरत सखि हे,
तुअ मुख पंकज प्राणे
विरह विकल तन फलकत सखि हे,
छन-छन झूर झमाने
जौं हम जनितौं एहन सन सखि हे,
हरि हेता आन समान
कथी लेल नेह लगाओल सखि हे,
आब ने बचत मोर प्राण
भनहि विद्यापति गाओल सखि हे,
धैरज धरू ब्रजनारि
सब सँ धैरज यैह थिक सखि हे,
पलटि आओत दिन चारि
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/sita-sahit-raghubar-lagal-duaariya-he.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2015/04/blog-post_39.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !