Kartik Maas Ijoriya Lyrics Maithili Chhath Song by Sharda Sinha
कार्तिक मास इजोरिया सतमी तिथि आएल रे
कार्तिक मास इजोरिया सतमी तिथि आएल रे
ललना देवमाता अदिति कऽ पुत्र आदित अवतरलनि हे
ललना देवमाता अदिति कऽ पुत्र आदित अवतरलनि हे
कार्तिक मास इजोरिया सतमी तिथि आएल रे
ललना देवमाता आदिति कऽ पुत्र आदित अवतरलनि हे
अदिति सुरुज आराधलि औरो तप केलनि हे
अदिति सुरुज आराधलि औरो तप केलनि हे
ललना सुरुज देव दरशन देलनि
अदितिक पुत्र भेलनि हे
ललना सुरुज देव दरशन देलनि
अदितिक पुत्र भेलनि हे
सोना के मुकुट सिर शोभित हाथ में कमल शोभे हे
सोना के मुकुट सिर शोभित हाथ में कमल शोभे हे
ललना कमलक आसन बैसथ सुरुज सनातन हे
ललना कमलक आसन बैसथ सुरुज सनातन हे
जगतक सिर जगपालक औरो संहारक हे
जगतक सिर जगपालक औरो संहारक हे
ललना लाल बरन सविता छथि दुख हरन देव हे
ललना लाल बरन सविता छथि दुख हरन देव हे
कार्तिक मास इजोरिया सतमी तिथि आएल रे
ललना देवमाता अदितिक पुत्र आदित अवतरलनि हे
ललना देवमाता अदितिक पुत्र आदित अवतरलनि हे...
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !