Aai Aabi Gela Ram Awadhpur Me Lyrics
आइ आबि गेला राम अवधपुर मे।
गायब सुर-मुनि सन्त, नाचय नवल वसन्त
नहि बजबा के अन्त, अवधपुर मे।
सब सुर समुदाइ, गाबथि फुल बरसाइ
बाजय आनन्द बधाइ, अवधपुर मे।
भेल अवधमे शोर, राम कोशिला के कोड़
सब आनन्द विभोर, अवधपुर मे ।
नृप मगन महान, घर अयला भगवान
स्नेहलतिका के प्राण, अवधपुर में।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !