अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 जून 2020
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Sohar Geet Lyrics
/
देवकी यशोदा दुनू बहिनी कि दुनू सहोदर रे लिरिक्स - सोहर गीत
देवकी यशोदा दुनू बहिनी कि दुनू सहोदर रे लिरिक्स - सोहर गीत
देवकी यशोदा दुनू बहिनी कि दुनू सहोदर रे
ललना रे, मिथिला गोकुल दुइ नग्र कि ताहि बिच जमुना बहू रे
अहि पार देवकी नहाएल, ओहि पार यशोदा रे
ललना रे, दुनू केर भए गेल भेंट दुनू बतिआएल रे
कुशल-पूछय देवकी, यशोदा मुह तोहर मलीन हे
मुह तोहर मलीन बहिनी, वदन तोहर उदास हे
सैह सुनि देवकी के नोर खसु, बदन उदास भइ रे
ललना रे, सात पुत्र दैव देलनि, कंस हरि लेलनि रे
कंस छथि निरवंश, बालक नहि छनि दया धर्म यौ
तेहन वीर अवतार लेतनि, करत हुनको नाश यौ
इहो पढ़ब :-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/06/maithili-film-kakhan-harab-dukh-mor.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/kaune-baba-eho-baans-ropal.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !