गुरुवार, 11 जून 2020

देवकी यशोदा दुनू बहिनी कि दुनू सहोदर रे लिरिक्स - सोहर गीत

देवकी यशोदा दुनू बहिनी कि दुनू सहोदर रे
ललना रे, मिथिला गोकुल दुइ नग्र कि ताहि बिच जमुना बहू रे

अहि पार देवकी नहाएल, ओहि पार यशोदा रे
ललना रे, दुनू केर भए गेल भेंट दुनू बतिआएल रे

कुशल-पूछय देवकी, यशोदा मुह तोहर मलीन हे
मुह तोहर मलीन बहिनी, वदन तोहर उदास हे

सैह सुनि देवकी के नोर खसु, बदन उदास भइ रे
ललना रे, सात पुत्र दैव देलनि, कंस हरि लेलनि रे

कंस छथि निरवंश, बालक नहि छनि दया धर्म यौ
तेहन वीर अवतार लेतनि, करत हुनको नाश यौ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !