शुक्रवार, 13 मार्च 2020

गे गोरकी बाँचत कोना परान लिरिक्स - Ge Goraki Banchat Kona Paraan Lyrics

बाँचत कोना परान / चन्द्रमणि
 
लड़का- केहन सुरेबगर रूप तोहर
तों धरती परहक चान
सोन छड़ी सन देह तोहर
आ‘ बिजुरी सन मुसकान
गे गोरकी! बाँचत कोना परान।
लड़की- अटर-पटर की बोल बजैछें
बातक करै ठेकान
बकर-बकर की मुँह तकै छें
कहतौ लोक बकान
करिकवा! नेत तोहर बेइमान।

लड़का- दूधक धोयल अंग तोहर की
चानीक चकमक काया
चकमक-चकमक नूया जेना
इन्द्रधनुष केर छाया
लड़की- षालिग्राम सन रंग तोहर
लागै छें कोनो खलासी
हमरा बापके तोरा सन-सन
दू-चारि दस चपरासी
लड़का- कारी छी पर चाहक तोहर
कारी छथि भगवान
लड़की- गुण हुनकर बड़ पैघ रै बउआ
तोरा मुँह ने कान-करिकबा....

लड़की- हम छी बड़का बापक बेटी
हमर तोहर नहि मेल
नीक छुछुन्नर के नहि लागै
माथ चमेली तेल
लड़का- गोर नारि तों गउरवे आनहरि
चिन्हबें कोनाकऽ हमरा
कमल फूल जौ तों छें गोरकी
हमछी प्रेमी भमरा
लड़की- बहुत जमेलें दोसर लग तों
मायाजाल वितान
लड़का-घायल कयलक मारिकें तोहर
नैना खंचि-खंचि वाण रे गोरकी....

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !