अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
27 सित॰ 2019
Home
/
Chandramani Jha
/
Maithili Chahatgar Geet
/
खोंइछामे धएने छलौं चानीके रूपइया लिरिक्स - Khonechha Me Dhene Chhlaun Chanike
खोंइछामे धएने छलौं चानीके रूपइया लिरिक्स - Khonechha Me Dhene Chhlaun Chanike
चानीके रूपैया / चन्द्रमणि
कोन बेदर्दी चोराय लेलक दइया।
खोंइछामे धएने छलौं चानीके रूपइया।
नइहरमे अरजल धन रखलौं जोगाकऽ
सासुरमे अबिते से लऽ गेल चोराकऽ
चौल करय ननदि आ‘ देयर कसइया।।
खोंइछा.....
छलियै जुआन मुदा दुलहनि नवेली
चोरि भेलै पहिले दिन ससुरक हवेली
कोन आंखि गरलै जे भेलै बलइया।।
खोंइछा
मिसियो भरि दोख नहि केलियै गे संगी
जकरे भरोस केलौं निकलल दूरंगी
हंसि-हंसिकऽ धएलक से कोमल कलइया।।
खोंइछा...
ई कोन पिरीत रीत दै छै जे सोग
ककरो जोगाएल धन दोसर के भोग
पिया निनबासरिमे लूढ़ल रूपइया।।
खोंइछा
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/pharal-lavng-dupad-bhel-sajni-ge.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/05/temi-maithili-geet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !