अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
30 मार्च 2017
Home
/
Chandramani Jha
/
Maithili Chahatgar Geet
/
मोरा जुलुमी रे उमरिया खिरल नगरी लिरिक्स - Mora Julumi Re Umariya Khiral Nagari Lyrics
मोरा जुलुमी रे उमरिया खिरल नगरी लिरिक्स - Mora Julumi Re Umariya Khiral Nagari Lyrics
जुलुमी उमेरिया / चन्द्रमणि
मोरा जुलुमी रे उमरिया खिरल नगरी
नैना तोहरो रसिलबा बड़ा रे रगरी
झूलय नाकमहक नथुनी हंसैये टिकुली
तैपर पुरिबा पवनमा उड़ाबै चुनरी।।
मोरा....
गेना गुलाबक सुगन्ध अंग-अंगमे
फूलहि फुलायल सन हम छी बसतंमे
मोन चंचल चलैत धमकैये धरती
आंखि मुखियोके चकमक हिलैये पगड़ी।।
नैना...
देखि-देखि छौड़ा सिनेह बरिसावै
अऽढ़ होइते हमरा ओ नोर झहराबै
आंखि बाटे करेजाके कुंज ससरी
जेना तवधल वन बरिसय सरस बदरी।।
नैना...
चानो बिसरि चाननी हमरे ताकै
योगीजी आब ध्यान हमरे लगाबै
युग जीतय ने एहन हमर दतरी
कटि कुंभक सन उझकय मनक गगरी।।
नैना ....
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2017/04/Poonam-Mishra-Maithili-Singer.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/daya-karu-ek-ber-he-mata-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !