अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
22 फ़र॰ 2014
Home
/
Maithili Kavita
/
Nagaarjun Yatri Ji
/
Patraheen Nagan Gachh
/
राधिका - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
राधिका - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
गोर - गुहमा काँति
देह नमछर आ सुरेबगर
मूँह कटगर
ठोर लालेलाल
बाब्ड हेयर... बेश कपचल कृष्ण कुंतल जाल
भउँह बेश पिजौल
मर्मवेधी टाकुसन कजरैल आँखिक कोर
अनावृत मुक्तोदरी, आर्वत दारूण नाभि
रङल बीसो नखक उज्जर पीठ
हरित वसन आइ काल्हुक राधिका
देवि स्कूटरवाहिनाी, घुरि आउ संध्याकाल
कोनो होटल मध्य बाट तकैत छथि बांकेबिहारी लाल
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/trpyatam-trpyatam-kavita.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/madhavpur-bajar-hulamhul-chhai-re-lalana.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !