अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 अप्रैल 2014
Home
/
Maithili Kavita
/
Nagaarjun Yatri Ji
/
Patraheen Nagan Gachh
/
रविरंजित शिखरबला - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
रविरंजित शिखरबला - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
रविरंजित शिखरबला
हिमाद्रिक वक्ष पर
देवदारू - वन मेँ
टहलैत शिशु मेघ केँ
छूने छहक कहिओ?
किन्नर - परिवारक
मुक्त अतिथि रूपेँ
द्राक्षाक पुटपाकी
अति पुरान आसब
चखने छहक कहिओ?
भीठ पर लगाओल
सफेद मालदहक
प्रथम - प्रथम
मंजरी गुच्छ
सुँघने छहक कहिओ?
शारदीय
बंकिम धारमे बंकिम धारमेँ
टुटैत कगार केर
क्षुब्ध - मथित - आहत नाद
सुनने छहक कहिओ?
प्लास्टकक ट्यूबमेँ
लिपि रूपेँ प्रवहमान
क्षण - प्रभा विद्युत केर
छाया मय भास्वर स्पंदन
देखने छहक कहिओ?
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/04/blog-post_20.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/chen-chen-chen-chen-kavita.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !