...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

2 नव॰ 2015

Maithili Singer Ranjana Jha | सरस्वतीक वाकपुत्री मैथिली मंचक रागिनी रंजना झा

मिथिला धरोहर, शिव कुमार झा टिल्लू :सहरसा शहर'क न्यू कॉलोनी के कायस्थ टोल मे रही रहलि श्रीमती रंजना झाक जन्म २५ नवम्बर सन १९७७ कें वर्तमान अररिया जिलाक "देवीगंज" नाओंक गाँवमे भेलनि। हिनक पाणिग्रहण संस्कार लगमा सहरसा गाममे भेल छन्हि। हिनक पिता श्री भागवत मिश्र वियोगीक संग संग माता श्रीमती शांति मिश्र संगीतक स्थापित साधक -साधिका छथि। सरिपहुँ सहजजे सरस्वतीक एहि वागीशाकें संगीतक साधिका बनबाक अवसरि विरासतेमे भेंटलनि। तत्पश्चात स्वर्गीय रामावतार सहनी आ श्री योगेन्द्र भारतीक सानिध्यमे संगीतक शिक्षा -दीक्षा ग्रहण कयलनि। २-३ वर्ख पूर्व भारतक महान संगीतविशारद पद्मविभूषण श्री किशोरी अमोनकर जीक स्नेहाशीष भेँटब प्रारम्भ भेलनि, मुदा नारीत्वक दायित्वक अनुपालन हेतु ई सुअवसरि अधगेड़ेसँ छूटि गेलनि।
रंजना जी भातीय शास्त्रीय संगीतमे १९९९ मे स्नातक कयलाक पश्चात २०१२ मे मगध महिला कॉलेज (पटना विश्वविद्यालय) सँ एहि विधाक सुप्रतिष्ठित "परस्नातक" क प्रमाणपत्र प्राप्त कयलीह। एहि मध्य सन १९९४ ईस्वीमे प्रयाग संगीत समिति इलाहाबाद सँ शास्त्रीय गायनमे "संगीत प्रभाकर" उपाधिसँ, सन २००७ मे प्रयाग संगीत समिति इलाहाबादसँ तबला वादनमे "संगीत प्रभाकर" उपाधिसँ आ सन २०१० ईस्वीमे प्राचीन कला केंद्र चंडीगढ़सँ" संगीत-भास्कर "उपाधिसँ विभूषित भेलीहें।

इहो पढ़ब :-


रंजना जी भारत सरकार'क संगीत आ नाट्य प्रभागक संभागमे आकाशवाणी पटनाक आ दूरदर्शन के उच्च श्रेणीक गायिका (गजल, भजन, ठुमरी, दादरा, सूफी, अर्द्ध शास्त्रीय अन्यादि) छथि। महान दार्शनिक उदयनाचार्यक अनमोल माटि करियनसँ ल' क' भारती-मण्डनक भूमिकें लपटैत समग्र मिथिलाक विविध सांस्कृतिक कार्यक्रमक ई सर्वाधिक लोकप्रिय गायिका प्रमाणित भ' रहलीहें।
अपन देशकोसक संग -संग भारत भूमिक समग्र प्रवास अधिवासमे प्रति वर्ख होम'वला "विद्यापति स्मृति पर्व समारोह" हिनक स्वरक तानक बिनु सून जकाँ लगैछ। अपन बिहारक संग संग भारतवर्षक विविध नगर-महानगरक मंचसँ "बिहार दिवसक संग संग, कोशी महोत्सव, अंग महोत्सवक, वैशाली महोत्सव, मिथिला महोत्सव, अंग महोत्सव, चंपारण महोत्सव, उग्रतारा महोत्सव संगहि बिहारक विविध महोत्सवमे" हिनक गायन अपन भाषा संस्कृतिक सुगंधकें नवल अर्थमे सुवासित करबाक संवाहक बनल। भारतक माननीय राष्ट्रपतिक स्वागत कार्यक्रम पटनामे सन २०१२ मे हिनक गायन बहुत उत्कृष्ट रहल। अखिल भारतीय कला साधक संगम १९९८ (नागपुर) सँ अपन राष्ट्रीय पहिचान बनब' वाली रंजना जीकेँ बिहार सरकार द्वारा प्रतिष्ठित " पद्मश्री विंध्यवासिनी देवी सम्मान २०१२ "देल गेल छन्हि। एकर अतिरिक्त बहुत रास संस्था हिनका सम्मानित क' चुकल छन्हि जाहि मे  ''कलाश्री सम्मान, लिच्छवी सम्मान, एक्सीलेंस एवार्ड, बिहार कला पुरस्कार सेहो अछि।


इहो पढ़ब :-

रंजना झा एखन धरि फिल्म ''एक चुटकी सिंदूर", "गंगा माई जैसन भौजी हमार" सीरियल शक, यीशु का चमत्कार, मैथिली सीरियल "नैन नै तिरपित भेल" आ स्टार प्लस पर प्रसारित नव धारावाहिक "सिया के राम" मे अपन मधुर आवाज द चुकल छन्हि। मैथिलीमे महाकवि विद्यापतिक मधुर भक्तिमय श्रृंगार गीतक सीडी "चानन" लोकप्रियताक कीर्तिमान स्थापित केलक। एकर संग संग सुधा फाउंडेशनसँ हिनक स्वरमे पारम्परिक मैथिली विवाह गीतक, तेरा शुक्रिया, प्रीतम आ सदगुरू तुमको प्रणाम  संकलन प्रमुख अछि।

Tags : # Ranjana Jha # Maithili Singer

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू