अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
27 अक्टू॰ 2015
Home
/
Entertainment
/
मैथिली धारावाहिक पाहुन और आब कहु मन केहन करैत अछि ५ नवंबर सं - Maithili Dharavahik Pahun or Aab Kahu Mon Kona Karaiya
मैथिली धारावाहिक पाहुन और आब कहु मन केहन करैत अछि ५ नवंबर सं - Maithili Dharavahik Pahun or Aab Kahu Mon Kona Karaiya
दिल्ली, मिथिला धरोहर, प्रभाकर मिश्रा : एक दिस स्टार प्लस पर प्रसारित होमय जा रहल धारावाहिक 'सिया के राम' मे कोसी के स्वर कोकिला रंजना झा सीता के लेल अपन स्वर द रहल छन्हि। दोसर दिस एगो और खुशीक समाचार अछि जे शनै:-शनै: मैथिली धारावाहिक अपन विस्तार स्वरूप मे आबि रहल अछि। वृहस्पति दिन प्रसारित भ रहल मैथिली धारावाहिक 'एस. एन. झा के गजबे दुनिया' आ २ नवम्बर सं प्रसारण होमय जा रहल धारावाहिक 'मास्टर साहेब' के बाद एके संगे दुटा मैथिली धारावाहिक के प्रसारण डीडी बिहार पर होमय जा रहल अछि। जहि मे एकटा धारावाहिक के नाम अछि ''पाहुन" आ दोसर हास्य धारावाहिक के नाम अछि "आब कहु मन केहन करैत अछि"। एहि दुनू नवका मैथिली धारावाहिक के
इहो जरूर पढ़ब :-
प्रसारण चैनल डीडी बिहार पर ५ नवम्बर २०१५ सँ होमय जा रहल अछि। धारावाहिक ''पाहुन" के प्रसारणक दिन वृहस्पति आ शुक्र के समय ८:३० बजे राखल गेल अछि। दोसर मैथिली हास्य धारावाहिक "आब कहु मन केहन करैत अछि" के प्रसारणक दिन वृहस्पति आ शुक्र के समय ९:३० सँ १०:०० राखल गेल अछि, एहि धारावाहिक मे विकाश झा द्वारा देल गेल संगीत'क संगे अपन स्वर मे गीत सेहो गाबि रहल छथि।
चैनल डीडी बिहार के अहाँ फ्री डिश चैनल न० - ३१ पर, टाटा स्काय चैनल न० -१७४, डिश टीवी पर न० - ८१५, विडियोकॉन d2h चैनल न० ७७४ पर आ एयरटेल चैनल न० ६३२ पर देख सकै छिं।
Tags
Entertainment
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2015/11/maithili-singer-ranjana-jha.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2015/10/Kojagra-festival.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Entertainment
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !