शनिवार, 20 फ़रवरी 2016

मिथिलांचल के बेटी बनल पेटीएम के प्रमुख

मिथिला धरोहर : पटना वीमेंस कॉलेज सँ पढ़ाई करय वाली  समस्तीपुर के शिंजनी कुमार जल्दे पेटीएम बैंकिंग सेवा के सीइओ बनय वाली छथि। इ नय केवल मिथिलांचल लेल गर्व के बात अछि, अपितु मिथिलांचल के लड़कि सब के लेल प्रेरणा प्रदान करय वला खबर अछि।
इ निक खबर अछि जे मिथिलांचल एहन पिछड़ल प्रदेश के सामान्य परिवेश मे पलल-पढ़ल एकटा लड़की एकटा महत्वपूर्ण बैंकिंग सेवा पेटीएम के प्रमुख पद पर स्थापित भ रहल छथि। मिथिलांचल के समस्तीपुरक पुनास गांम के एकटा किसान परिवार मे जन्मलि शिंजनी कुमार लखीसराय के बालिका विद्यापीठ सँ पढ़वा के उपरांत पटना वीमेंस कॉलेज सँ अंगरेजी मे ग्रेजुएशन केलनि। ताहिक उपरांत दिल्ली विश्वविद्यालय सँ अंगरेजी मे एमए आ फेर अमेरिका के टेक्सास यूनिवर्सिटी के लिंडन जॉनसन स्कूल सँ पब्लिक पॉलिसी मे एमए कोर्स केलथि।

पढ़ाईक खर्च उठेवा के लेल ओ बालिका विद्यापीठ के प्रिंसिपल सेहो बनली। हिनक पिता कोल इंडिया मे काज करैत छलथि। अमेरिका सँ डिग्री हासिल करवा के उपरांत मार्च 1992 मे ओ रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया मे डिप्टी जनरल मैनेजर बनली आ नवंबर 2007 धरि एही पद पर रहली। एहीके उपरांत ओ दिसंबर, 2007 मे अमेरिका के वित्तीय संस्था मेरिल लिंच कंट्री कंपलायंस हेड के तौर पर जुड़ली और अक्तूबर, 2007 धैर एतय रहली।अक्तूबर, 2010 मे प्राइस वाटर्सकूपर मे डायरेक्टर के पद पर काज केलनि। मौजूदा समय ओ प्राइस वाटर्सहाउस कूपर्स (पीडब्लूसी) मे कार्यकारी निदेशक के पद पर छथि। आब शिंजनी कुमार के पेटीएम पेमेंट बैंक के सीइओ बननाय तय अछि। शिंजनी के मार्च मे पेटीएम बैंकिंग संग जुड़वा के पूरा संभावना अछि।
साभार : प्रभात खबर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !