अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 फ़र॰ 2016
Home
/
Bishari Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
नीची रे पोखरिआ के ऊँची रे मोहार लिरिक्स
नीची रे पोखरिआ के ऊँची रे मोहार लिरिक्स
नीची रे पोखरिआ के ऊँची रे मोहार
राम, ताही पइसि विषहरि करू स्नान
नहाय सोनाय विषहरि थकरथि केश
राम, सोना के ककहिया काग लए गेल
कनैते-खीजैते विषहरि आमा आगू ठाढ़ि
राम, सोना के ककहिया आजु काग लए गेल
जुनि कानू, जुनि खीजू, विषहरि माय
राम, सोना के ककहिया हम देब बनबाय
फल मध्य गुअबा, नैवेद्य मध्य पान
राम, देवी मध्य विषहरि जगत लोक जान
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2016/02/blog-post_20.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2016/02/blog-post_16.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !