रविवार, 5 फ़रवरी 2017

मैथिली ठाकुर : मिथिलाक राईजिंग स्टार

मिथिला धरोहर : मूल रूप सँ बेनीपट्टी प्रखंड के उड़ेन, बनकट्टा निवासी मैथिली ठाकुर केर प्रारंभिक संगीतक शिक्षा अपन दादा श्री बच्चा ठाकुर आ पिता रमेश ठाकुर सँ भेटल अछि। ग्रामीण परिवेश मे पलल-बढल मैथिली ठाकुर वर्तमान मे द्वारिका, दिल्ली मे अपन परिवार के संगे रहय छथि। मैथिली केर बचपने सँ संगीत सँ बड़ लगाव रहल अछि। एखन हिनक पढ़ाई बाल भवन इंटरनेशनल स्कुल, द्वारिका (दिल्ली)  मे भ रहल अछि।

दिल्ली मे पांच बेरा प्रथम पुरस्कार
मैथिली दिल्ली सरकार दिस सँ होमय वला वार्षिक समारोह मे पांच बेरा प्रथम पुरस्कार प्राप्त क चुकल छथि। जनवरी 2016 मे ओ अखिल भारतीय स्तर के टीवी कार्यक्रम आई जीनियस मे प्रथम पुरस्कार जीतल छलि। अहिसँ पहले ओ सोनी टीवी के सिंगिंग रियलिटी शो इंडियन आइडल जूनियर (2015) और जी टीवी के शो सारेगामापा लिटिल चैंप मे अपन प्रतिभा देखा चुकल छथि।
मैथिलि के एखन धरि संगीत के क्षेत्र मे "मैथिलि सांस्कृतिक पुरस्कार" सहित बहुते रास अवार्ड भेट चुकल अछि। मैथिली के मधुर आवाज मे यूनिवर्सल म्यूजिक के द्वारा रिकॉर्ड कैल गेल 'या रब्बा' नामक एकटा एल्बम सेहो आबि चुकल अछि।

एक बेर फेर सँ कलर्स टीवी पर 4 फरवरी सँ शुरू होमै बला सिंगिंग रियालटी शो 'राईजिंग स्टार' मे मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर अप्पन आवाज से सभ के दिल जीतती।शनि-रविक रात्रि के 9 बजे सँ शुरू होमै बला एहि सिंगिंग रियालटी शो मे ऑडियन्स द्वारा कायल गेल वोटिंग ऑनलाइन होयत, जे की कलर्स टीवी चैनल के एंड्राइड अप्प के जरिये कैल जा सकत।

Tags : # Maithili Thakur # Bankatta Uren # Rising Star # Maithili Singer

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !