...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

3 फ़र॰ 2017

गा रे गा कोइलिया एहन गीत गा लिरिक्स

गा रे गा कोइलिया एहन गीत गा
हम बेपिरीत तों पिरीत सँ जुरा।।

बहुत दिन भेल, पिया गेल परदेश
मारल उमंग धएल, योगिन के भेष
बेबुझ सजन, किछुओ नजि जानय
हमरा सँ बेसी, नोकरिये के मानय
गाबि-गाबि पिया-मन राग उपजा।। हम.....

भार भेल जीवन, जरलाहा जुआनी
दुनिया के लोभी, नजरियाके फानी
हुलसल पसरि गेल, सगरो बसंत
एहनामे दूर कतौ, रहलैये कंत
झूमि-झूमि प्रीत-रीत-रस बरसा।। हम...

तन-मन बेकल ताकि, रहल पहुक संग
सभक अंत छैक हमर, विरहक ने अन्त
मदिरा पिबैत लोक, जेना भसिआय
मोन मधुआयल, बहकि डेग जाय
हमर मनक भाव जाय पीकें सुना।। हम.....

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »