शनिवार, 25 फ़रवरी 2017

मैथिली रोमांटिक कॉमेडी फिल्म 'लटकले तऽ गेले बेटा'

मिथिला धरोहर, प्रभाकर मिश्रा : आखिरकार तीन साल सँ अधर मे लटकल मैथिली फिल्म 'लटकले त गेले बेटा' के शूटिंग सम्पन्न कऽ लेल गेल अछि। अहि फिल्मक निर्माण कार्य जून, 2014 मे सुरु कैल गेल छल, मुदा कुनो कारण सँ अहि फिल्म के पूरा नय कैल जा सकल, और आब अहि फिल्म के पूरा काज सम्पन्न भेल। ब्लू ब्लड प्रोडक्शनक बैनरके अधीन बनल मैथिली फिल्म ''लटकले तऽ गेले बेटा" मिथिल दर्शक लेल एही फ़िल्म मे कॉमेडी कऽ संगे चहटगर गीत आ संगीत देल गेल अछि। इऽ फ़िल्म एकटा पूर्ण कॉमेडी कऽ संगे पारिवारिक फ़िल्म सेहो अछि। 


फ़िल्मक निर्माता, निर्देशक संगे राइटर छैथ विक्की चौधरी। फ़िल्मक में मुख्य कलाकारक रूप मे विक्की चौधरी, माधव राय, आरती गुप्ता, रेणुका कार्की, आर. के. दीपक, राघव झा, पिंकी चौधरी, महेंद्र चौधरी, आशुतोष सागर, रामसेवक ठाकुर आदि। गीत लिखने छैथ - प्रदीप पप्पू। फ़िल्म में मधुर आवाज देने छैथ -उदित नारायण झा, पवन नारायण, विकास झा, माधव राय, देवानंद झा, अनुज श्रीवास्तव।
फ़िल्मक कथा- कॉमेडीकऽ तरका संग एकटा आदमी कऽ दू गोट विवाह भेला के बादक परिस्थिति देखाओल गेल अछि। सम्भव अछि जे इऽ फ़िल्म अहि साल अपनेकऽ नजदीकी सिनेमा घर मऽ रिलीज होयत। फिल्म निमन गीत संगीत, कॉमेडी, सवटा देखैत ई फ़िल्म निश्चित रूप सँ मिथिलाक दर्शक के निमन लागत। मैथिलि प्रेमी सँ आग्रह जे ओ इ फ़िल्म देखैथ, आनन्द लैथ आ मैथिलि फ़िल्मक विस्तार में साझी बनैथ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !