रविवार, 3 दिसंबर 2017

छोटका पर्दा के सबसँ चर्चित हीरोइन मे एक छथि श्रीति झा

मिथिला धरोहर : श्रीति झा छोटका पर्दा के सबसँ चर्चित और पसंदीदा हीरोइनों मे सँ एक छथि। ओ जे भी किरदार निभेलनी, सब मे खूब पसंद कैल गेली। मूल रुपे दरभंगाक रहय वाली श्रीति झा ( Actres Sriti Jha From Darbhanga ) के जन्म २६ फरवरी १९८६ मे बेगुसराय मे भेल छनि। किछु समय उपरांत हिनक परिवार कोलकाता रहय चली गेला और हिनक पढ़ाई-लिखाई ओतहि भेलनि। कोलकाता मे १० साल बितेलाक बाद श्रीति परिवारक संग काठमांडु नेपाल रहय चैल गेली और ओतहु सँ पढ़ाई केलनि।
श्रीति झा बीए अंग्रेजी के पढ़ाई दिल्ली के वेंकटे्श्वरा कॉलेज सँ केलनि जतय कॉलेज के अंग्रेजी ड्रामा सोसाइटी सँ जुड़ली और आगू चैल के ओकर प्रेसिडेंट सेहो बनली। मुदा एक्टिंग के संगे - संगे श्रीति डांस मे सेहो बहुते नीक छथि। श्रीति झा के पसंदीदा फिल्म 'प्यासा' और 'काजग के फूल' अछि। हीरोइन मे हुनका वहीदा रहमान बहुते पसिन छनि। दिल्ली मे पढ़ाई करैते करैत हुनका पहिल सीरियल 'धूम मचाओ धूम' के लेल चुनल गेल छनि।श्रीति झा अहि सीरियल मे एकटा शर्मीली और अंधविश्वासी लड़की मालिनी शर्मा के किरदार निभेलनि।

इहो पढ़ब :-
ताहिके उपरांत श्रीति के 'जिया जले' के लेल चुनल गेलनि। ताहि पश्चात हिनका बहुते ऑफर भेटय लगलनि। फेर 'ज्योती' मे सुधा के रोल निभेबाक अवशर भेंटलनि। ओहि समय दोसर सीरियल 'शौर्य और सुहानी' मे सेहो राजकुमारी सुहानी के लीड रोल क रहल छली। एकर बाद 'रक्त संबंध' नामक सीरियल ऑफर भेलनि जाहिमे ओ एकटा आन्हर (अंधी) लड़की बनल छली। एकर उपरांत हिनक जिनगी बदलय बला ऑफर भेंटलनि, ओ सीरियल छल लाइफ ओके के 'दिल से दी दुआ..सौभाग्यवति भव:?' और कलर्स के चर्चित सीरियल 'बालिका वधु' जाहिमे ओ गंगा के रोल निभेने छली।

इहो पढ़ब :-

श्रीति इ सीरियल कयै रहल छली कि हुनका जी टीवी के सबसँ लोकप्रिय सीरियल 'कुमकुम भाग्य' मे लीड रोल करबाक ऑफर भेंट गेलनि।बस ओहि दिन सँ एखन धरि प्रज्ञा के किरदार मे सबके चहेती बनल छथि।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !