शुक्रवार, 8 जून 2018

सगरो मिथिला के गौरवान्वित केलनि कटिहार के बेटी अनुरिता झा

मिथिला धरोहर : मूल रूप सँ कटिहार के बेटी अनुरिता झा ( Actress Anurita Jha From Katihar ) सब मिथिलावासी के निश्चते गौरवान्वित केलनि हन। अनुरिता के पिता शैलेन्द्र कुमार झा कटिहारक जानल-मानल अर्थशास्त्र के फ्रोफेसर छथि। मैथिली साहित्य में हिनक अग्रणीय योगदान रहल छनि। अनुरिता के माता स्व० प्रो भानु झा सेहो कटिहारक महिला महाविद्यालय मे कार्यरत छलथि। 
शिक्षक परिवार में रहला सँ अनुरिता के पढ़ाई दिस बेसी रुझान रहलनि। कटिहारक स्कॉटिश पब्लिक स्कूल में किछु समय लेल पढ़ाई केलनि, ओकर बाद हिनक शिक्षा राजस्थान के पिलानी मे भेलनि। पटना के मगध महिला महाविद्यालय सँ इंटरक परीक्षा मे उतीर्ण भ ओ दिल्ली सँ फैशन डिजाइनिंग मे स्नातक के उपाधि प्राप्त केलनि।

इहो पढ़ब :-
दिल्ली मे रहिते ओ मॉडलिंग के सुरुआत केलनि और चैनल वी के गैट गॉर्जियस ब्यूटी कान्टेस्ट के ख्याति'क उपरांत अनूरिता झा मुम्बई के रुख केलनि। एकर बाद ओ ड्रेस डिजाइनर्स रॉकी एस, मनीष मल्होत्रा, अचला सचदेवा आदि के शो मे पार्टिसिपेट केलनि।
फेर अनुरिता किछु टेली फिल्म्स मे काज केलनि, जाहिमे एकटा रणबीर शौरी के टेली फिल्म 'काम का प्लॉट' छल अहि टेली फिल्म मे हुनक काज सब के पंसद एलनी। सबसँ बड़का सफलता तहन भेंटलनि जहन हुनका अनुराग कश्यप के 'गैंग ऑफ वासेपुर' मे शमा परवीन के पहत्वपूर्ण भूमिका मे दमदार अभिनय सँ ओ अपन अलग पहचान बनेलनी। अनुरीता 'गैंग्स ऑफ वासेपुर' के दुनु पार्ट मे काज केने छथि।

इहो पढ़ब :-
जेकर बाद ओ मैथिली फिल्म 'मिथिला मखान' मे काम केलनि। अनुरीता के २०१६ मे रिलीज फिल्म 'जुगनू' आ २०१७ मे रिलीज 'बारात कम्पनी', हेलमेट 2021 मे अहम भूमिका छलनि। अनुरिता अपन मॉडलिंग केरियर मे नोकिया, एयरटेल, हिमालय, स्नैपडील एहन ब्रांड के एड क चुकल छथि।

इहो पढ़ब :-

अनुरिता के मॉडलिंग आ फिल्म मे एबाक लेल हिनक पिता शैलेन्द्र कुमार झा सुरुए सँ प्रोत्साहित केलनि। अनुरिता एकटा अंग्रेजी मूवी 'मूनलाइट कैफे' मे सेहो काज केने छथि।
रिपोट : प्रभाकर मिश्र 'ढुन्नी'

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !