गुरुवार, 31 जनवरी 2019

गेठबन्हन काल के गीत, मैथिली गठबंधन लोकगीत लिरिक्स

करू गेठबन्हन लाल लाली के - LYRICS

करू गेठबन्हन लाल लाली के
चारू चन्द्र चकोर हे
प्रथम गेठ श्रीराम श्रीमिथिला
राज किशोरी हे
दोसर गेठ भरत बबुआ के
ओ मांडवी के जोड़ी हे
तेसर गेठ शत्रुघ्न के
श्रुतिकीर्ति कयल चोरी हे
चारिम गेठ देल हंसि लीअ
उर्मिल लखन के जोड़ी हे
गाओल सखि सभ मंगलगान
सम्बन्ध जोड़ि प्रीतिक हे


बुधवार, 30 जनवरी 2019

आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब लिरिक्स | मधुश्रावणी पूजा गीत

Aaju E Pabani Balamu Sang Pujab Lyrics

आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब
नहि एला बालम हमार हे

सासु निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि भार पठाय हे..

दिआदिनि निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि गौर बनाय हे..

ननदो निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि साजी सजाय हे..

गुरुवार, 24 जनवरी 2019

एकदिस छिलके गंग नीर लिरिक्स - Ekdis Chhalke Gang Nir Lyrics

एकदिस छिलके गंग-नीर, दोसर भस्मे भरल शरीर
तेसर ठाढ़ छथि मैना के अंगनमा, गौरी के सजनमा ना

एक हाथ डामरु के डिमकाइ, माथे जटा विशाल बढ़ाइ
हिनकर भांग लेल रकटल परनमा, गौरी के सजनमा ना

अपने बसहा छथि असबार, राखल घर आ ने द्वार
संगे गौरी रखता कोन भवनमा, गौरी के सजनमा ना

नागक लटकल डोर देखू, नमरल हिनकर ठोर
बाघक छाल छनि ओढ़न-पहिरनमा, गौरी के सजनमा ना

सखि सभ देखल जखन रूप, नहि छथि योगी नहि भूप
ई तऽ दरिद्रक करथि दुखहरनमा, गोरी के सजनमा ना

मंगलवार, 22 जनवरी 2019

मोख छेकाई गीत लिरिक्स - मैथिली द्वार छेकाई लोकगीत

मोख/देहरी छेकाइ काल के गीत

मोख छेकाइ पहिने चुकाउ - Maithili Lokgeet

मोख छेकाइ पहिने चुकाउ
हे रघुवंशी लाला
कोबर घर सोझे नहि जाउ
हे रघुवंशी लाला
हमरा भैया सँ अपन बहिनी बियाहू
हे रघुवंशी लाला
अयोध्या सँ शान्ती के मंगाउ
हे रघुवंशी लाला
हमरा कका जी के दियनु अपन मइया
हे रघुवंशी लाला
दुनू घर गुजर कराउ
हे रघुवंशी लाला
गाबथि सखि सभ कोबर छेकाइ
हे रघुवंशी लाला
उजड़ल घर भइया के बसाउ
हे रघुवंशी लाला

इहो पढ़ब :-


शुक्रवार, 18 जनवरी 2019

चुमाओन काल के गीत, मैथिली चुमावन गीत लिरिक्स - Maithili Chumawan Geet Lyrics

सुन गे सखिया आजु होइ छनि हे - Lyrics

सुन गे सखिया आजु होइ छनि रघुबर के चुमान
आंगन चानन नीपू कोशिल्या सुनू गे सखिया
गजमोती चौक पुराउ
अलस कलस लय पुरहर राखल सुनू गे सखिया
माणिक नेसू प्रहलाद
दुभि ओ धान लय मुनि सभ आयल सुनू गे सखिया
चुमाबहु सीया श्रीराम

करू सखि मंगलगान हे - Lyrics

करू सखि मंगलगान हे, 
सिया रघुवर के होइ छनि चुमान हे
कांचहि बांस के डलबा रे डलबा, 
ताही साजल दूभिधान हे
चानन काटि कऽ पीढ़िया बनाओल, 
ताहि बैसल श्री राम हे
चुमबय एली आमा सोहागिन, दीऔ, 
आमा मनसँ आशीष हे
चुमबय एली काकी सोहागिन, दिऔ, 
काकी मनसँ आशीष हे
चुमबय एली भउजी सोहागिन, 
दीऔ भउजो मनसँ आशीष हे
करू सखि मंगलगान हे, 
सिया रघुवर के होइ छनि चुमान हे

आजु सुदिन दिन - Lyrics

आजु सुदिन दिन निर्मल बनल अछि
सोना आ चन्दा समान
गे माइ, झुमि झुमि कऽ करियनु चुमान
आंगन चानन नीपू कोशिल्या
गजमोती देल अरिपन, गे माइ झुमि ....
अलस कलश लय पुरहर साजल
माणिक नेसू प्रहलाद, गे माइ झुमि


नगरहिक नाथ कन्हैया देखू हे मैया लिरिक्स

नगरहिक नाथ कन्हैया देखू हे मैया
गाइक गोबर लए लांगन नीपल, 
कंचन कलश धरैया, देखू...
पाँच सखी मिलि अरिपन देलनि, 
राधा के बैसैया, देखू...
पानक ढ़ोली लए कृष्ण के देलनि, 
मंगल गाबि चुमैया, देखू...
दुभि अक्षत लए मुनि सभ आयल, 
शीश झुकाबे कन्हैया, देखू...


आनन्द देखू रघुरइया हे सीता के संग लिरिक्स

आनन्द देखू रघुरइया हे सीता के संग
आंगन चानन नीपू कौशिल्या
गजमोती चौक पुरइया हे सीता के संग
आनन्द देखू रघुरइया हे सीता के संग
अलस कलस लए पुरहर सांठल
मानिक दीप जरइया हे सीता के संग
आनन्द देखू रघुरइया हे सीता के संग
कांचहि बांस केर डलबा बुनाओल
दूभिधान ताहिमे सजइए हे सीता के संग
आनन्द देख रघुरइया हे सीता के संग
ऋषि मुनि सभ आशीष देथि
चुमबहु राम रघुरइया हे सीता के संग

बुधवार, 16 जनवरी 2019

डर लगैए हे डेराओन लगैए लिरिक्स - Dar Lagai He Deraon Lagai Lyrics

डर लगैए हे डेराओन लगैए - 2
गौरी हम नहि जायब तोरा अंगना, भयाओन लगैए - 3

हे अजगर के खम्हा पर धामिन के बरेड़िया
गहुमन के कोरो फुफकार मारइए, 
गौरी हम नहि जायब तोरा अंगना, भयाओन लगैए

कड़ैत के बत्ती पर सांखड़ के बन्हनमा
बिढ़नी के खोता घनघन करइए,
गौरी हम नहि जायब तोरा अंगना, भयाओन लगैए

सुगबा के पाढ़ि पर ढ़ोरबा के ढोलनमा
पनिया के जीभ हनहन करइए,
गौरी हम नहि जायब तोरा अंगना, भयाओन लगैए

ताहि घरमे बइसल छथि अपने महादेव
बिछुआ के कुण्डल सनसन करइए,
गौरी हम नहि जायब तोरा अंगना, भयाओन लगैए

मंगलवार, 15 जनवरी 2019

Khudneshwar Dham Mandir, Morwa, Samastipur | खुदनेश्वर धाम मन्दिर मे एक संगे होइत अछि शिवलिंग आ मज़ार के पूजा

मिथिलाक समस्तीपुर जिला सं करीब 17 किमी दक्षिण-पश्चिम मे मोरवा प्रखंड मुख्यालय सं लगभग 500 मीटरक दूरी पर अवस्थित ऐछ खुदनेश्वर धाम मन्दिर । इ स्थान सामाजिक सौहार्द आ साम्प्रदायिक एकताक अनुपम स्थल अछि। एतय बाबा खुदनेश्वर के शिवलिंग आ खुदनी बीबी के मजारक पूजा अर्चना एके संगे श्रद्धा एवं विश्वासक संग कैल जाइत अछि। ओना त सालो भैर मंदिर में पूजा पाठ होइत रहैत अछि मुदा महा शिवरात्रि में एतय भव्य मेलाक आयोजन होइत ऐछ। दु धर्मक एकताक उदाहरण बनल खुदनेश्वर धाम सम्भवतः विश्व के एहन पहिल मंदिर अछि जतय एक छतक निच्चा भोले बाबा के शिवलिंग आ मुस्लिम महिला के माजर कोइन। इ स्थल अपने आप में अद्वितीय अछि।
अहि जगह के बारे मे कहल जाइत अछि जे  सात सौ वर्ष पूर्व एतय घनघोर जंगल होइत छल जेतय आस पासक लोग गाय चरायब लेल आबय छल। ओतय मुस्लिम महिला खुदनी बीबी सेहो अक्सर गाय चराबय आबय छली। मुदा सांझक समय गाय के थन सं दूध नै निकलै छल। अहि पर खुदनी बीबी के परिवार के आश्चर्य होय छल। एक दिन गाय चरेबाक क्रम मे खुदनी देखलनि जे गाय एकटा झुरमुट मे ठाड़ अछि आ गायक थन सं अपने आप एकटा निश्चित स्थान पर दूध खैस रहल छल। इ देख खुदनी के बड़ आश्चर्य भेलनि। आ इ घटना के जहन लोग के सुनेलनी त ओहि स्थल पर खोदाई कैल गेल। जतय भव्य शिवलिंग दिखाई पड़ल। खुदाई के क्रम मे कुदारी सं शिवलिंग के उपरका भाग कनि टूइट गेल जे साक्ष्य के रूप मे आयो देखल जा सकैत अछि।

इहो पढ़ब:-
खुदनी बीबी के मरणोपरान्त शिव केर स्वप्न के मुताबिक शिवलिंग के बगल मे मात्र डेढ़ गज के दूरी पर हुनका दफनायल गेलनी। बाद मे खुदनी बीबी के नाम के जोइर के अहि स्थल के नामकरण खुदनेश्वर स्थान पड़ल। ब्रिटिश समय मे नरहन स्टेट 1858 मे एकटा मंदिरक निर्माण करेने छलाह।

इहो पढ़ब:-
आवागमन के व्यवस्था :-
समस्तीपुर जिला मुख्यालय सँ बस के द्वारा दक्षिण-पश्चिम मे 15 किमी पर गंगापुर चौक अछि। ओतय सँ लगभग 2 किमी दक्षिण खुदनेश्वर धाम अवस्थित अछि। ताजपुर चौक सं 5 किमी दक्षिण-पूब दिस खुदनेश्वर धाम अवस्थित अछि जेतय सं निजी वाहनक माध्यम सं पहुंचल जा सकैत अछि। मंदिर के दक्षिण दिशा मे मात्र 5 किमी के दूरी पर एनएच 103 पर सरैया चौक ऐछ, जेतय सं निजी वाहनक द्वारा धाम धैर पहुंचल जा सकैत अछि।

शुक्रवार, 11 जनवरी 2019

सलमान खान संग अभिनय करैत नजर एती मिथिलाक बेटी नीतू सिंह

रंगमंच मे सक्रिय रही चुकली बेगूसराय के नीतू सिंह आब बॉलीवुड के दबंग सुल्तान के नाम सँ मशहूर सलमान खान के संग सिल्वर स्क्रीन पर अभिनय करैत नजर एती। नीतू सलमान खान के संग एकटा एड फिल्म मे नजर एती। फिल्म के शूटिंग शुरू भ चुकल अछि। अहिसं पहिले नीतू टीवी सीरियल आ एड फिल्मक माध्यम सं अपन प्रतिभा के परिचय द चुकल छथि।

डीडी वन पर चली रहल सीरियल ‘मैं कुछ भी कर सकती हूं’ मे ओ एडवोकेट असिमा के लीड भूमिका मे छथि। फिल्मी दुनिया के बड़का हस्ति के संग काज क चुकल नीतू जिला के पहिल लड़की छथि। बेगूसराय मे बहुते अर्सा धरि रंगमंच मे सक्रिय रहला के उपरांत ओ मायानगरी मुंबई के रुख केलनि। 

इहो पढ़ब :-

पकड़उआ बियाह पर आधारित सूली ऊपर सेज पिया की, हिंसा परमो धर्म, जट-जटिन, फंदी, तीसवीं शताब्दी, समझौता,आषाढ़ का एक दिन सहित कतेको नाटक मे अभिनय के लोहा मनवा चुकली नीतू हिमाचल प्रदेश के मंडी मे सेहो अभिनय के प्रशिक्षण प्राप्त केने छलथि। सीरियल मे हुनक भूमिका बहुते दमदार छनि।

स्टेशन रोड निवासी नीतू सिंह अहिसं पहिले सिनेमा के महानायक अमिताभ बच्चन, शाहरुख खान आ अक्षय कुमार के संगे सेहो काज क चुकल छथि। निविया क्रीम, बाघ बकरी, टाटा मोटर्स, क्रेक, नेरोलेक पेंट सहित कतेको बड़का ब्रांड के एड फिल्म मे ओ काज क चुकल छथि। नीतू कहलनि जे लगभग डेढ़ सौ विज्ञापन मे ओ काज क चुकल छथि।

इहो पढ़ब :-

शनिवार, 5 जनवरी 2019

आयल हे सखि सर्व सोहाओन लिरिक्स - मधुश्रावणी पूजा गीत Aayal He Sakhi Sarv Sohaoan Lyrics

आयल हे सखि सर्व सोहाओन
साओन केर महिनमा

ठाँओं कयलहुँ अरिपन देलहुँ
लीखल नाग-नगिनियाँ

फूल लोढ़लहुँ पाती अनलहुँ
पूजू नाग-नगिनियाँ

लाबा भुजलहुँ दूधो अनलहुँ
खाथु नाग-नगिनियाँ
आयल हे अलि सर्वसोहाओन
साओन केर महिनमा

गुरुवार, 3 जनवरी 2019

हम नहि जानल गे माई लिरिक्स, मैथिली नचारी - Ham Nahi Jaanal Ge Maai Lyrics

हम नहि जानल गे माई। 
एहन बूढ़ वर नारद लौता झूठे कैल बड़ाई ।। 

तीन लोक के ठाकुर कहि-कहि हमरा देल पतियाई। 
चारिम पनमे भिखमंगा के आनल बैल चढ़ाई ।। 

एक दिस गौड़ी के मुँह तक छी, एक दिस बूढ़ जमाई। 
मन होइयै जे एही संतापे, मरि जइतौं किछु खाई।।

नहि, नहि, हम नहि गौरी बिआहब, जगमे होयत हँसा ।
जानि-बूझि कऽ एहन धियाके कोना कऽ देब भसाई।।

स्नेहलता भन सुनु हे मैया शंभु के लाउ चुमाई। 
करम बाँटि की हुनकर लेबनि, पुरुबक छनि कमाई ।।

बुधवार, 2 जनवरी 2019

जनि पूछू हाल चाल तोहरो जमाय मैना लिरिक्स - Juni Puchhu Haal Chaal Lyrics

जनि पूछू हाल चाल
तोहरो जमाय मैना परम कंगाल,

अपना जे पाँच मुख बड़ विकराल,
कातिक के छओ मुख खाइ लय बेहाल,

गौरीजी के कहु हम कओन हवाल,
गणपति के सौंसे देहमे पेटे विशाल,

एकेटा मुँह से तड होइ अछि काल,
जै घर तेरह मुँह तकर कोन हाल,

हमरा देखेत दौड़ल भूत वैताल,
पेट दिस ताकि ताकि बजबय ताल,

सुनि-सुनि मैना पीटथि कपार,
बजर पड़ौ नारद पर देलक भौजाल,

जनि राखू मैना मन मे मलाल,
कहे कपिलेश भोलादानी दयाल,



हे हर विपति पड़ल सिर भारी लिरिक्स - He Har Vipatti Padal Sir Bhari Lyrics

हे हर विपति पड़ल सिर भारी
अन्न-बसन बिनु तन-मन बेकल, 
पुरजन भेल दुखारी हे
हर विपति पड़ल सिर भारी

अपन कि आन कान नहि सूनय, 
गूनय जानि भिखारी हे
मंगने कहय हाथ अछि खाली, 
रहितो द्वार बखारी हे
गंग नियर बसु गायब हम 
हँसि बनब जे तोर पुजारी हे

अछैत मनोरथ सभ भेल बेरथ,
बनलहुँ अन्त भिखारी हे
लिखल-पढ़ल कत बात गढ़ल कत,
किछुओ ने भेल हितकारी हे
शशिनाथ माथ पद टेकल, 
आबहु लएह उबारी हे

मंगलवार, 1 जनवरी 2019

सिंगर विकाश झा के मिथिलाक सुपरस्टार बनबाक कहानी

मिथिला धरोहर : मूलतः मधुबनी जिला अंतर्गत बेनीपट्टी अनुमंडल केँ सिमरी ( Benipatti, Simri ) (भोजपरौल) गामक निवासी मिथिलाक सुप्रसिद्ध गायक विकाश झा के मिथिलांचल केर बूढ़, जुआन बच्चा मने सभ वर्गक लोक हिनक आवाज के प्रशंसक छथि।
विकाश झा 1994 ई॰ में दिल्ली आबि गेलैथ नोकरी चाकरी स’ समय भेटैन त’ स्टेज सब पर गीत सेहो गबैत छलैथ। किछु दिनक बाद हिनक विवाह भ गेलनि, हिनकर पत्नी के संगीत में बेसी अभिरुचि देखेलनी आ ओ हिनका एहि क्षेत्र में प्रोफेशनल बनि उतरबाक आग्रह केलनि आ संगे-संग हिनका वास्ते गीत सब सेहो लिखय लगली, तें गीतकारक रूप में “रानी विकास” के नाम स’ सेहो देखने हेबनि । 

जहन ई ठनला जे व्यावसायिक रूपे गायकी के अपनाबी त’ हिनका चांस सेहो खूब भेटय लगलनि आ ओही क्रम में 1997 ईo मैथिली के चर्चित गायक मिथिलारत्न कुंजबिहारी मिश्र जीक संपर्क में एला आ हिनका संगे कतौ कतौ प्रोग्राम सब में ल’ जाए आबय लगला।

इहो पढ़ब:-

हिनकर पहिल एलबम 1999 में  आयल परदेशी भ’ गेलौं” नाम स जे नीलम कैसेट स’ रिकॉड भेल छल। बाद में बनारस घरानाक चंद्रभाल मिश्रा जी, मिथिलेश सिंह जी आदि गुरु सभ स सेहो सिखबाक अवसर भेटलनि

एक दिना विकाश जी मैथिली गीतक रेकोर्डिंग करैत रहथी त’ एक गोट हरियाणवी फिल्मक निर्देशक दिनेश कौशिक कें हिनका आवाज में उदित नारायण जीक झलक बुझेलनि आ हिनका ऑफर केलनि आ फिल्म “दुश्मनी की आग” में गीत गेबाक अवसर देलनि तकरा बाद हरियाणवी फिल्म-बारह बीघा ज़मीन, गोली, पगड़ी आदि मे सेहो गेबाक अवसर भेटलनि । 
ओही क्रम में हिन्दी फिल्म आ विज्ञापन जगत स जुड़ल किछु निर्माता लोकनि संपर्क में एला आ अवसर देलनि जेना कि हिनकर गाओल जिंगल-सोनालिका ट्रेक्टर वास्ते , भारत सरकार द्वारा अल्पसंख्यक आयोग वास्ते , केन्द्रीय भंडारण निगम वास्ते , शिक्षा मंत्रालय वास्ते, जल संसाधन मंत्रालय वास्ते, स्वरोजगार योजना वास्ते, इंडियन ऑयल वास्ते , दूरदर्शन पर प्रसारित सीरियल “कोंपल” के टाइटल सॉन्ग , ज़ी टीवी पर प्रसारित होमय बला सीरियल “हम लेंगे जनम दोबारा” के टाइटल सॉन्ग, हिन्दी फिल्म “लव इन टेंशन” में बतौर संगीत निर्देशक आ गायक आदि के रूप में अवसर भेटलनि।
आइ विकाश झा मैथिलि गीत संगीतक क्षेत्र कऽ चर्चित चेहरा छथि संगे-संग भोजपुरी, नेपाली, हिंदी संगे न भाखामे दर्जनों एलबम गाबी चुकल छथि। विकाश झा एखन धरि सौतिनक बेटी, हाफ मर्डर, सेनुरक मोल अनमोल, प्रेम प्रतिज्ञा, राधा संग मोहन, सजन घर जेबै कोना आदि मैथिली फिल्मक वास्ते अपन स्वर दऽ चुकल छैथ।

इहो पढ़ब:-

फ़िल्म में अभिनय करबाक बात करी त भोजपुरी फ़िल्म पैसा नाच नचबेला , मैथिली फ़िल्म 'मीत हमर जन्म जन्म के' आ आ 'लव यू दुलहिन' आ 'मैथिली' में अभिनेताक किरदारक निभा चुकल छथि।