...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

27 फ़र॰ 2016

इंडियन वॉलीबॉल टीम के चौखट पर मिथिला के बेटी 'ब्यूटी'

मिथिला धरोहर, भागलपुर : मात्र 14 सालक उम्र मे वालीबॉल के शौख हिनका गांव सँ शहर ल अनलनि। मूल रूप सँ मंझौल (बेगूसराय) के रहय वाली ब्यूटी के अपन सपना के उड़ान देवाके छलनी, से गांव सँ भागलपुर आबि गेलथि। ब्यूटी के भागलपुर के प्रदर्शनक आधार पर रांची स्थित साई (स्पोर्ट्स अॉथोरिटी ऑफ इंडिया) मे हुनक चयन कैल गेल छलनी आ ओहिके उपरांत ओ 2006 मे झारखंड स्टेट के टीम मे शामिल भ गेली। बाद मे जेखन रेलवे मे नौकरी लगलनि त ओ पश्चिम बंगाल के टीमक दिस सँ खेलय लगलि। ब्यूटी तिलकामांझी मोहल्ला मे किराया के मकान मे रहय छलि आ रोज भोर-साँझ सैंडिस मे प्रैक्टिस करय जाइत छलि।
ब्यूटी 2004 मे खेलनाय शुरू केलथि और ओहि साल बिहार के सब जूनियर टीम मे चयनित भ गेली। घरेलू मैच मे निक प्रदर्शनक कारणे बाद मे टीम के कप्तान सेहो बनलथि। 2005 मे जूनियर टीम के कप्तान बनली और कर्नाटक के कोपा मे राज्य के प्रतिनिधित्व केलनि। 2006 मे साई मे चयन हेबाके बाद ओ झारखंड टीम मे शामिल भ गेली। 2009 मे ग्वालियर मे आयोजित सातवां नेशनल सीनियर वॉलीबॉल चैंपियनशिप मे पहली बेरा झारखंड क्वार्टर फाइनल धैर पहुंच पैल छल।

इहो पढ़ब:-

ब्यूटी के प्रयास सँ ऑल इंडिया साई मीट मे इस्ट जोन के पहिल स्थान भेटल। 2010 मे ब्यूटी के जूनियर नेशनल टीम मे कोचिंग के लेल चयन कैल गेल छलनी। 2012 मे ऑल इंडिया इंटर यूनिवर्सिटी में बेस्ट अटैकर के पृस्कार सेहो भेंट चुकल छनि। 2011 मे रांची मे आयोजित नेशनल गेम मे झारखंड टीम सँ खेलबा के मौका भेंटलनि।

इहो पढ़ब:-

2013 मे ब्यूटी के खेल कोटा सँ साउथ इस्टर्न रेलवे मे नौकरी भेंटलनि। ओ एखनो प. बंगाल के आद्रा स्टेशन पर लिपिक के रूप मे पदस्थापित छथि। एही साल (2016) यूपी के मुरादाबाद मे सीनियर नेशनल मे प. बंगाल के प्रतिनिधित्व केलनि। टीम चौथा स्थान पर रहल छल। 2014 मे ऑल इंडिया इंटर रेलवे के टीम मे शामिल हेबाके उपरांत रामपुर, जयपुर, ग्वालियर, विशाखापत्तनम, मुरादाबाद आ बेंगलुरु मे अपन प्रतिभा के लोहा मनवेलनि। 2015-16 मे इंडियन रेलवे के प्रतिनिधित्व केलनि और गोल्ड मेडल हासिल केलथि। आब ब्यूटी के भारतीय टीम मे चयन लगभग तय अछि। ब्यूटी के किक आ एस अटैक जबरदस्त होइत अछि। 'मिथिला धरोहर' शुभकामना अछि जे ओ जल्दे टीम इंडिया मे खेलाईत देखेती।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू