शनिवार, 27 फ़रवरी 2016

इंडियन वॉलीबॉल टीम के चौखट पर मिथिला के बेटी 'ब्यूटी'

मिथिला धरोहर, भागलपुर : मात्र 14 सालक उम्र मे वालीबॉल के शौख हिनका गांव सँ शहर ल अनलनि। मूल रूप सँ मंझौल (बेगूसराय) के रहय वाली ब्यूटी के अपन सपना के उड़ान देवाके छलनी, से गांव सँ भागलपुर आबि गेलथि। ब्यूटी के भागलपुर के प्रदर्शनक आधार पर रांची स्थित साई (स्पोर्ट्स अॉथोरिटी ऑफ इंडिया) मे हुनक चयन कैल गेल छलनी आ ओहिके उपरांत ओ 2006 मे झारखंड स्टेट के टीम मे शामिल भ गेली। बाद मे जेखन रेलवे मे नौकरी लगलनि त ओ पश्चिम बंगाल के टीमक दिस सँ खेलय लगलि। ब्यूटी तिलकामांझी मोहल्ला मे किराया के मकान मे रहय छलि आ रोज भोर-साँझ सैंडिस मे प्रैक्टिस करय जाइत छलि।
ब्यूटी 2004 मे खेलनाय शुरू केलथि और ओहि साल बिहार के सब जूनियर टीम मे चयनित भ गेली। घरेलू मैच मे निक प्रदर्शनक कारणे बाद मे टीम के कप्तान सेहो बनलथि। 2005 मे जूनियर टीम के कप्तान बनली और कर्नाटक के कोपा मे राज्य के प्रतिनिधित्व केलनि। 2006 मे साई मे चयन हेबाके बाद ओ झारखंड टीम मे शामिल भ गेली। 2009 मे ग्वालियर मे आयोजित सातवां नेशनल सीनियर वॉलीबॉल चैंपियनशिप मे पहली बेरा झारखंड क्वार्टर फाइनल धैर पहुंच पैल छल।

इहो पढ़ब:-

ब्यूटी के प्रयास सँ ऑल इंडिया साई मीट मे इस्ट जोन के पहिल स्थान भेटल। 2010 मे ब्यूटी के जूनियर नेशनल टीम मे कोचिंग के लेल चयन कैल गेल छलनी। 2012 मे ऑल इंडिया इंटर यूनिवर्सिटी में बेस्ट अटैकर के पृस्कार सेहो भेंट चुकल छनि। 2011 मे रांची मे आयोजित नेशनल गेम मे झारखंड टीम सँ खेलबा के मौका भेंटलनि।

इहो पढ़ब:-

2013 मे ब्यूटी के खेल कोटा सँ साउथ इस्टर्न रेलवे मे नौकरी भेंटलनि। ओ एखनो प. बंगाल के आद्रा स्टेशन पर लिपिक के रूप मे पदस्थापित छथि। एही साल (2016) यूपी के मुरादाबाद मे सीनियर नेशनल मे प. बंगाल के प्रतिनिधित्व केलनि। टीम चौथा स्थान पर रहल छल। 2014 मे ऑल इंडिया इंटर रेलवे के टीम मे शामिल हेबाके उपरांत रामपुर, जयपुर, ग्वालियर, विशाखापत्तनम, मुरादाबाद आ बेंगलुरु मे अपन प्रतिभा के लोहा मनवेलनि। 2015-16 मे इंडियन रेलवे के प्रतिनिधित्व केलनि और गोल्ड मेडल हासिल केलथि। आब ब्यूटी के भारतीय टीम मे चयन लगभग तय अछि। ब्यूटी के किक आ एस अटैक जबरदस्त होइत अछि। 'मिथिला धरोहर' शुभकामना अछि जे ओ जल्दे टीम इंडिया मे खेलाईत देखेती।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !