शुक्रवार, 18 जनवरी 2019

चुमाओन काल के गीत, मैथिली चुमावन गीत लिरिक्स - Maithili Chumawan Geet Lyrics

सुन गे सखिया आजु होइ छनि हे - Lyrics

सुन गे सखिया आजु होइ छनि रघुबर के चुमान
आंगन चानन नीपू कोशिल्या सुनू गे सखिया
गजमोती चौक पुराउ
अलस कलस लय पुरहर राखल सुनू गे सखिया
माणिक नेसू प्रहलाद
दुभि ओ धान लय मुनि सभ आयल सुनू गे सखिया
चुमाबहु सीया श्रीराम

करू सखि मंगलगान हे - Lyrics

करू सखि मंगलगान हे, सिया रघुवर के होइ छनि चुमान हे
कांचहि बांस के डलबा रे डलबा, ताही साजल दूभिधान हे
चानन काटि कऽ पीढ़िया बनाओल, ताहि बैसल श्री राम हे
चुमबय एली आमा सोहागिन, दीऔ, आमा मनसँ आशीष हे
चुमबय एली काकी सोहागिन, दिऔ, काकी मनसँ आशीष हे
चुमबय एली भउजी सोहागिन, दीऔ भउजो मनसँ आशीष हे
करू सखि मंगलगान हे, सिया रघुवर के होइ छनि चुमान हे

आजु सुदिन दिन - Lyrics

आजु सुदिन दिन निर्मल बनल अछि
सोना आ चन्दा समान
गे माइ, झुमि झुमि कऽ करियनु चुमान
आंगन चानन नीपू कोशिल्या
गजमोती देल अरिपन, गे माइ झुमि ....
अलस कलश लय पुरहर साजल
माणिक नेसू प्रहलाद, गे माइ झुमि

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !