अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 जन॰ 2019
सलमान खान संग अभिनय करैत नजर एती मिथिलाक बेटी नीतू सिंह
रंगमंच मे सक्रिय रही चुकली बेगूसराय के नीतू सिंह आब बॉलीवुड के दबंग सुल्तान के नाम सँ मशहूर सलमान खान के संग सिल्वर स्क्रीन पर अभिनय करैत नजर एती। नीतू सलमान खान के संग एकटा एड फिल्म मे नजर एती। फिल्म के शूटिंग शुरू भ चुकल अछि। अहिसं पहिले नीतू टीवी सीरियल आ एड फिल्मक माध्यम सं अपन प्रतिभा के परिचय द चुकल छथि।
डीडी वन पर चली रहल सीरियल ‘मैं कुछ भी कर सकती हूं’ मे ओ एडवोकेट असिमा के लीड भूमिका मे छथि। फिल्मी दुनिया के बड़का हस्ति के संग काज क चुकल नीतू जिला के पहिल लड़की छथि। बेगूसराय मे बहुते अर्सा धरि रंगमंच मे सक्रिय रहला के उपरांत ओ मायानगरी मुंबई के रुख केलनि।
इहो पढ़ब :-
पकड़उआ बियाह पर आधारित सूली ऊपर सेज पिया की, हिंसा परमो धर्म, जट-जटिन, फंदी, तीसवीं शताब्दी, समझौता,आषाढ़ का एक दिन सहित कतेको नाटक मे अभिनय के लोहा मनवा चुकली नीतू हिमाचल प्रदेश के मंडी मे सेहो अभिनय के प्रशिक्षण प्राप्त केने छलथि। सीरियल मे हुनक भूमिका बहुते दमदार छनि।
स्टेशन रोड निवासी नीतू सिंह अहिसं पहिले सिनेमा के महानायक अमिताभ बच्चन, शाहरुख खान आ अक्षय कुमार के संगे सेहो काज क चुकल छथि। निविया क्रीम, बाघ बकरी, टाटा मोटर्स, क्रेक, नेरोलेक पेंट सहित कतेको बड़का ब्रांड के एड फिल्म मे ओ काज क चुकल छथि। नीतू कहलनि जे लगभग डेढ़ सौ विज्ञापन मे ओ काज क चुकल छथि।
इहो पढ़ब :-
Tags
Mithilak Artist
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/01/khudneshwar-dham-samastipur-morwa.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/aayal-he-sakhi-sarv-sohaoan-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithilak Artist
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !