...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

16 मार्च 2019

मखान के खीर विधि : Makhan kheer Recipe

सामग्री ( ४ लोगक लेल)
दूध १ लीटर
मखान १ कप
घी १ छोटाका चम्मच 
चिरौंजी १ छोटाका चम्मच, काजू १०-१२,
बादाम १०-१५, किशमिश १ बड़ाका चम्मच
हरीयरका इलायची २
चिन्नी (लगभग एक चौथाई सँ एक तिहाई चाय कऽ प्याला।)

बनाबै के विधि : काजू ऑउर बादाम के बारीक कैट लिअ। किशमिश के धोय के अलग राखु। हरीयर इलायची के बाहरी खोइँचा निकैल और दाना कऽ दरदरा कुइट लिअ।

इहो पढ़ब:-


मखान के महीन-महीन कैट लिअ या फेर उखैर-समाठ या मिक्सी मे दरदरा पीस लिअ। एकटा कड़ाही मे घी गरम करु ऑउर ओय मे मखान के एक मिनटकऽ लेल भुजू। ओहीमें दूध डालु ऑउर मखान'क संगे निक जंका मिलाबु।

पहील बेरा उधियेला के बाद आँच के धीम कऽ दियो ऑउर मखान के दूध मे निक जंका सँ गैल के दूध मे मिल जेबाक तक पकाबु. एही प्रक्रिया मे लगभग ३० मिनट लागैत अछि। ५-७ मिनटकऽ अंतराल पर दूध के चलावैत रहु।

काटल गेल मेवा, किशमिश ऑउर चिन्नी के दूध मे निक जंका मिला कऽ एक मिनट ऑउर पकाबु, आँच के बंद कऽ दियो. कुटल गेल इलायची मिलाबु. खीर ठंडा भेला के बाद परोसु।

Tags : # Makhan # Makhana # vaingan # Recipe

1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »