मंगलवार, 7 मई 2019

कारू बाबा धाम महपुरा, बरेटा, सहरसा

मिथिला धरोहर : संत बाबा कारू धाम  ( Sant Baba Karu Dham Mahpura Bareta ) सहरसा जिला के महपुरा बरेटा मे स्थित अछि। संत बाबा कारू भगवान शंकर केर वरदान सं महान पुरुष और भगवान छथि। एतय प्रतिदिन दुध आ आन सामाग्री श्रद्धा सं चढ़ायल जाइत अछि एतय कोबला मांगनिहार के सबटा मनोकामना पुर होइत अछि। एतय एला सं दिव्य शांति के अनुभुती होइत अछि।

कलयुग मे कारू बाबा अपन कर्म के बल पर अपन पूजा के बलपर भगवन शंकर नाकुचेश्वर महादेव केर ऐतिहासिक स्थान पर आबय लेल विवश क देलनि, दर्शन देलाक पश्चत भगवन शंकर बाबा करू के कहलनि, वत्स, कारु हम अहाँके भक्ति सं अति प्रसन्न भेलहुँ अहाँ हमरा सं वरदान मांगु, बाबा कारु नम्र भाव सं बजला हमरा अहाँ भेट गेलहुँ आब हम अहाँ सं की मांगू तहन भगवन शंकर बजला जाऊ आय सं अहाँके प्रतिदिन दूध, घी, खीर, गाजा इत्यादि चढ़त और जा धरि इ धरती सूर्य चन्द्रमा रहत ता धरि अहाँके नाम रहत और ह जाबे धरि अहाँ कलयुग मे जिन्दा रहब आ जहन हमरा याद करब हम अहाँक सोंझा आबि जायब।

इहो पढ़ब:-
आय एतय सब दिन लोग पूजा करबाक लेल बहुते दूर सं आबय छथि चाहे रैद होय, गर्मी होय या बरसात, बाबा कारु केर जीवन काल बहुते छोट छलनी, बाबा करू गौ माता के सेवा करै छलथि, महपुरा बरेटा गामक बीच मे बरका टा जगह छल लहठा बथान ओतय लघभग हजारो गायक झुण्ड एक संग राखय छलथि।

इहो पढ़ब:-
एतय के मुख्य विशेषता अछि जे इ मंदिर कोशी नदी कात बसल अछि जतय नदी के वेग सदिखन बनल रहैत अछि। एतय सब साल दुर्गा पूजा मे बहुते विशाल मेलाक आयोजन होइत अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !