अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
6 सित॰ 2019
Home
/
Mithila
/
सात समंदर पार काजल कर्ण जिंदा रखलनी अपन भाषा, 'श्रीमद्भागवत गीता' के मैथिली मे केलनि अनुवाद
सात समंदर पार काजल कर्ण जिंदा रखलनी अपन भाषा, 'श्रीमद्भागवत गीता' के मैथिली मे केलनि अनुवाद
मिथिलांचल के लोग आब गूगल पर सेहो अपन भाषा मे गीता पैढ़ और देख सकैत छथि। ऑनलाइन 'श्रीमद्भागवत गीता' के मैथिली मे अनुवाद अमेरिका के टेक्सास शहर मे रहय वाली काजल कर्ण केलनि अछि। गीता के ओना त कतेको भाषा मे अनुवाद भ चुकल अछि, मुदा अमेरिका मे पहिल बेर कुनो धार्मिक ग्रंथ के मैथिली भाषा मे अनुवाद भेल अछि। मैथिली 'श्रीमद्भागवत गीता' आम लोगक लेल अमेजन पर उपलब्ध अछि। अहि पुस्तक के अमेजन पर साढ़े चाइर रेटिंग भेंटल अछि। 'श्रीमद्भागवत गीता' के मैथिली मे अनुवाद केनिहार काजल कर्ण जनकपुर (नेपाल) के रहय वाली छथि और पटना मे हिनक नानिगाम छनि। काजल अमेरिका मे अपन पति के संग 'मैथिली दिवा' नाम सं एकटा संस्था चलाबय छथि।
इहो पढ़ब:-
अहिसं पहिले हिंदी, सहित कतेको भाषा मे एकर अनुवाद भ चुकल अछि। अहि पुस्तक मे मिथिला के संस्कृति के सेहो उकेरल गेल अछि। पुस्तक कतेको पन्ना पर मिथिला पेंटिंग शैली मे चित्र सेहो अछि। पुस्तक के कवर पेज पर कुरुक्षेत्र के चित्रण कैल गेल अछि, ओहो मिथिला शैली मे अछि।
काजल कर्ण के दिलचस्पी गीत आ नृत्य मे सेहो छनि। अहिमे महाभारत के छ प्रसंग के मिथिला पेंटिंग के माध्यम सेहो बतायल गेल अछि। पहिल चित्र मे भगवान कृष्ण, अर्जुन के उपदेश द रहल छथि। हिनकर गीत और वीडियो यूट्यूब पर सेहो लोकप्रिय अछि। 'श्रीमद्भागवत गीता' के मैथिली संस्करण अनवा पर काजल के सराहना भ रहल छनि।
Tags
Mithila
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/09/mahuaak-kaal-ke-maithili-geet.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/08/jimikand-ke-chutney.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithila
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


Akta maithili bhagbadgita devak kosis karu
जवाब देंहटाएंNageshwar yadav pipra supaul bihar mithila
हटाएं