...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

28 जून 2020

प्रथम अखिल भारतीय मैथिली साहित्य सम्मेलन दरभंगा 1956

First All India Maithili Literature - Conference Darbhanga - १८ -२० नवम्बर १९५६
महाराजाधिराज डा. सर कामेश्वर सिंह , एल . एल . डी. डी.लिट प्रधान संरक्षक क उद्घाटन - भाषण ।

मैथिली प्रेमी सज्जन - वृन्द,

हम जाहि व्यस्तामें अहाँ लोकनिक एतय उपस्थित भेल छी सम्भव नहि जे अपन विचार विस्तार सं राखि सकी । केवल मातृभाषाक उन्नति एहि पवित्र उद्देश्यक हम हृदय सं संवर्धन करैत छी । जाहि उत्साहें “वैदेही समिति “ द्वारा मैथिली लेखक - सम्मेलनक व्यापक आयोजन भेल अछि , तक़र पूर्ण सफलता चाहैत छी । एहि अवसर पर सभसं प्रसन्नता त एहि हेतुक अछि जे बिहार विश्वविद्यालय क वाइस चान्सलर श्री श्यामनंदन सहाय एतय उपस्थित छथि। हिनक क्षमता ओ शिक्षाक प्रति प्रगाढ़ अनुराग कें देखैत हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे ई समारोह टा नहि सफल होयत प्रत्युत मैथिली क सेवा- सीमा सेहो बहुत किछु आगां बढ़त ।

इहो पढ़ब :-

अत्यंत हर्ष अछि जे मैथिलीक मार्ग दिननुदिन प्रशस्त भेल जायछ । एहि लेल बड़ प्रयास , बड़ त्याग - तपस्या मातृभाषा सेवी द्वारा होयत आयल अछि । भाषा साहित्य विशुद्ध सांस्कृतिक - वस्तु थिक । तथापि युगधर्मक अनुसार एकरो रक्षाक हेतु आन्दोलन आवश्यक होयत छैक । परंच आंदोलनोक आधार थिक रचनात्मक प्रवृति ये ।
यूनिवर्सिटी मे , पब्लिक सर्विस कमीशन मे वा आनो स्थान मे , मैथिली कें थोड़ बहुत जे स्थान भेंटल अछि से गौरवमय परम्पराक करणें। ओहि रचनात्मक परम्पराक रक्षा ओ संवर्धन मैथिली - लेखक लोकनिक प्रधान कार्य थिक।

इहो पढ़ब :-

आधुनिक साहित्य , आन - आन प्रान्तीय भाषाक़ तुलना मे एखनहु पछुआयल अछि । जेहो लिखल गेल ओ सभ प्रकाश मे नहि आयल अछि । लेखक संगठनक मूल उद्देश्य यैह रहबाक चाही जे नवीन - ज्ञान - विज्ञान क विविध शाखा सं मातृभाषा कें पल्लवित करी । संतोष अछि जे अहाँ लोकनि एहि दृष्टिकें ध्यान मे राखि प्रवृत भेल छी । जगदम्बा अहाँ लोकनिक उद्देश्य कें सफल करथु ।

आशा अछि जे अहाँलोकनिक ई शुभ प्रयास मैथिलीक विकास में अशेष बल प्रदान करत । भारतीय भाषा मण्डल मे मैथिली कें उचित अधिकार भेटवा मे सहायता भेट्तैक़ तथा भारतीय संविधान मे जे चौदहटा भाषा सम्प्रति जे गृहीत अछि ताहि मे मैथिली कें स्थान भेटवाक मार्ग परिष्कृत होयत ।

इहो पढ़ब :-

अस्तु सम्मेलनक उद्घाटन विधि पूर्वक क़रैत हमर कामना अछि जे रायबहादुरक अध्यक्षता मे अहाँ लोकनिक ई समारोह सर्वथा अग्रसर रहओ ।
साभार - श्रवण कुमार चौधरी

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू