सोमवार, 2 नवंबर 2020

Ganpatganj Temple, Shri Vishnupad Mandir | विष्णुपद मंदिर गणपतगंज : स्थापत्य कलाक अदभुत स्वरूप

सुपौल जिला अंतर्गत गणपतगंज स्थित इ मंदिर ( Shri Vishnupad Temple, Ganpatganj, Supaul ) लोगक आस्था के केंद्र बनी चुकल अछि। इ विष्णु धाम मंदिर चेन्नई के विख्यात विष्णु मंदिरों के तर्ज पर बनायल गेल अछि। दक्षिण भारतीय शैली मे निर्मित इ मंदिर मिथिला के प्रसिद्ध मंदिर मे सं एक अछि। मंदिर के स्थापत्यकला और वास्तुकला अहिके औरो दर्शनीय बनाबैत अछि। 
करीब 14 एकड़ भूमि मे बन विष्णुधाम के नाम सं प्रसिद्ध वरदराज पेरूमल देवस्थानम् विष्णुपद मंदिर दक्षिण भारत के कांचीपुरम् स्थित विष्णु मंदिर के तर्ज पर बनल अछि। जाहिके निर्माण करोडोंक लागत सं सुपौल के प्रसिद्ध चिकित्सक डॉ पीके मलिक करौने छलथि। 
अहि भव्य विष्णु मंदिर के नींव वर्ष 2004 मे राखल गेल छल। करीब 10 वर्षक निर्माण के उपरांत वर्ष 2014 मे मंदिर बनि के तैयार भ गेल। 

इहो पढ़ब:-

मंदिर के गर्भगृह मे भगवान विष्णु केर संग-संग आन देवी-देवता के सेहो मूर्ति स्थापित अछि जिनक पुजा वैष्णव आचार्य करैत अछि। इ भव्य आ आकर्षक मंदिर अहि क्षेत्र मे आस्था और पर्यटन के प्रमुख केन्द्र अछि जतए दुर-दुर सं लोग दर्शन लेल आबय छथि।

इहो पढ़ब:-

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !