गुरुवार, 16 दिसंबर 2021

अभिनेत्री निशा झा एकटा परिचय | Actress Nisha Jha Biography

Nisha Jha Actress के जन्म 10 सितम्बर 2000 के भेल छलनी। निशा झा मूलत: दरभंगा जिलाक लक्ष्मीसागर के निवासी छथि। हिनकर माँ सुधा झा प्रसिद्ध अभिनेत्री आ थियेटर आर्टिस्ट छथि। बचपन सं अपन घर मे अपन मां सं अभिनय सीखबाक बाद ओ कमे उम्र मे अभिनय के क्षेत्र मे कदम रखी देलथि।

हिनकर अभिनय के सुरुआत भेलनि ‘डीडी बिहार’ चैनल पर मैथिली सीरियल 'गंगा प्रेमक डोर’ सं आ एकर बाद अहि क्षेत्र मे हुनकर मांग बढैत चली गेलनि। फेर ओ नेशनल जियोग्राफी के लेल वृत्तचित्र मे काज केलथि। एकरा बाद डीडी बिहार के लेल बनल मैथिली सीरियल ‘पाहुन’ मे काज केलथि। 


इहो पढ़ब:-

● कुमकुम मिश्रा, मैथिली गायिका : एकटा परिचय


एकरा बाद निशा झा बड़का पर्दे पर दस्तक देलथि आ स्वरा भास्कर के संग हिंदी फिल्म ‘अनारकली ऑफ आरा’ मे अभिनय केलथि।

निशा झा द्वारा अभिनीत मैथिल फ़िल्म के नाम अछि 'हाफ़ मर्डर', 'दीवाना अहांके प्यार मे', 'कोशी के लाल", 'विधाता' आ 'जान' ।


इहो पढ़ब:-

● Full Song Lyrics - प्रेमक नाजुक बंधन


एखन धरिक हिनकर भोजपुरी फिल्मक - छलिया ( Chhaliya ), 'पवन पुत्र' ( Pawan Putra ), 'मेंहदी लगा के रखना 3', पराग पाटिल के निर्देशन मे बनल ‘संघर्ष' आ 'बन जा मेरी रानी' आदि नाम अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !