अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
1 मई 2022
Home
/
Mandir
/
बाबा हरिहरनाथ अंकुरी महादेव, हरिहरपुर खेढी- Baba Harihar Nath Mahadev Temple Hariharpur, Khedhi
बाबा हरिहरनाथ अंकुरी महादेव, हरिहरपुर खेढी- Baba Harihar Nath Mahadev Temple Hariharpur, Khedhi
बाबा हरिहरनाथ अंकुरी महादेव मंदिर, समस्तीपुर जिलाक खानपुर प्रखंडक हरिहरपुर खेढी गांव मे बूढ़ी गंडक नदी सं मात्र दु किलोमीटर पर इ मंदिर अवस्थित अछि। एतय महाशिवरात्रि के अवसर पर श्रद्धालु सब बहुते संख्या मे भोले बाबा केर दर्शन करबाक लेल आबय अछि। महाशिवरात्रि के दिन सांझ मे बहुते भव्य जुलूसक संग बरियाती निकालल जाइत अछि आ रात्रि मे शिव विवाह बहुते धूमधाम सं मनायल जाइत अछि। शिव विवाह सम्पन्न भेलाक उपरांत भोरे सं बेसी संख्या मे जिला आ लगपासक एवं विभिन्न क्षेत्र सं भक्तगण शिव जी के दर्शन लेल आबैत अछि।
इहो पढ़ब :-
एहि ठामक मेलाक तैरपत्ता आ जिलेबी प्रसिद्ध अछि। बाबा हरिहरनाथ महादेव शिवलिंग के प्रति भक्तक आस्था सदियों बरख पुराण अछि। बाबा हरिहरनाथ अंकुरी महादेव मंदिर मिथिला के प्रसिद्ध ज्योतिर्लिंग महादेव मे सं एक अछि। महादेव अंकुरित अछि जे चरबाहा स्थल पर प्रकट भेल छल। आय सं बहुते वर्ष पहिले चरबाहा गाय चराबय जाइत छल त एक दिन ओ देखलक जे गाय अपन सबटा दूध एकटा खास स्थान गिरा दएत छल। इ घटना निरंतर कतेको दिन धरि चलल तहन चरबाहा ग्रामीण के सूचना देलक ग्रामीण ओहि स्थल पर जा क खोदाई केलक त शिवलिंग प्रकट भेल।
Tags
Mandir
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2022/05/maithili-film-sasta-jingi-mahag-senur.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2100/01/arasi-prasad-singh-ke-jivan-parichay.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mandir
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)



बहुत सुन्दर लागल प्रस्तुति के लिए धन्यवाद
जवाब देंहटाएं