बुधवार, 18 फ़रवरी 2015

कौने बाबा अंगना गुलाब केर गछिया लिरिक्स - बरियाती लोकगीत

Kaune Baba Angana Gulaab Ker Gachhiya Lyrics

कौने बाबा अंगना गुलाब केर गछिया
कौने बाबा अगना अनार हे
कौने बाबा पुत्र के जायत बरिअतिया
कौने देश जायत बरिआत हे
फल्लां बाबा अंगना गुलाब केर गछिया
फल्लां बाबा अंगना अनार हे
फल्लां बाबाक पुत्रक जायत बरिअतिया
दूर देश जायत बरिआत हे
सभ बरिअतिया के लाले रंग धोतिया
सभक रांगल सिर पाग हे
फल्लां दुलहाकेँ घूनसि पाग शोभनि
वएह थिका नबका जमाय हे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !