Saaon Bhadav Ker Nishi Ritiy Lyrics
साओन भादव केर निशि रतिया,
कहमा गमेलहुँ एती राति हे
तोहरोसँ सुन्दरि धनि मालिन केर बेटिया,
ओतहि गमेलहुँ एती राति हे
आबथु मालिन बेटी बैसथु पलंग चढ़ि,
कओने रीति जोड़ल सिनेह हे
फूल लोढ़य गेलहुँ राजा फुलबरिया,
राजा बेटा हंसि देल, हम मुसुकाय देल
नैने नैने जोड़ल सिनेह हे
मरिहौक गे मालिन बेटी तोरो जेठ भइया,
मोरा पिया राखल लोभाय हे
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !