ऊँचहि घर के नीच दुअरिया
भले रंग बहय बसात
ताहि पैसि सुतली समधिन छिनरो
लाले रंग घघरा देल छलकाय
घोड़बा चढ़ल अबथिन समधी रसिया
लाले रंग देखि रहला लोभाय
घुमैते-फिरैते अयलथिन फल्लाँ रसिया
पकड़ल जयबे दरबार
हम नहि अयलहुँ रसिया अहाँकेँ हवेलिया
अहीक बहीन लयली बजाय
जीवननाथ एहु डहकन गाओल
बरियतियाक बहिन छकल छिनारि
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !