अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
25 सित॰ 2025
Home
/
Durga Bhajan
/
Kunj Bihari Mishra
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में लिरिक्स Maiya Durga Abiyo Mora Angna Mein Song Lyrics
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में लिरिक्स Maiya Durga Abiyo Mora Angna Mein Song Lyrics
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में,
हम रखने छी कस्तूरी चानन में,
हम रखने छी कस्तूरी चानन में,
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में...
अहाँ दुखहरणी मा भवानी छी
करुणामय माता रुद्राणी छी,
अहाँ दुखहरणी मा भवानी छी
करुणामय माता रुद्राणी छी,
माता करुणा टा झलकै यै आनन में
माता करुणा टा झलकै यै आनन में
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में...
अहाँ दुष्टक संघारी छी,
अम्बे भक्तक लेल उद्धारी छी,
अहाँ दुष्टक संघारी छी,
अम्बे भक्तक लेल उद्धारी छी,
माता अबियो अय नवरत्न पावन में,
माता अबियो अय नवरत्न पावन में,
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में...
हम शरण केर आस ताकै छी,
मैय्या दर्शन लेल बाट झाँके छी,
हम शरण केर आस ताकै छी,
मैय्या दर्शन लेल बाट झाँके छी,
कुंज सन्तान कहै यै गायन में
कुंज सन्तान कहै यै गायन में
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में...
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में
हम रखने छी कस्तूरी चानन में,
हम रखने छी कस्तूरी चानन में,
मैय्या दुर्गा अबियो मोरा आँगन में
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/09/darshan-diya-maa-durga-bhawani-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/04/mithila-me-charcha-tohar-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !