Sama Chakeba Song - Chugala Lagan Bitake Aele Sasurari Mein Lyrics, Singer : Poonam Mishra
चुगला लगन बिता कऽ एलै ससुरारी में
पाकल पाकल दाढ़ी में ना
चुगला लगन बिता कऽ एलै ससुरारी में
पाकल पाकल दाढ़ी में ना
चुगला गेलै भानस घर
सासु ठेल देलकै ओमहर
चुगला गेलै भानस घर
सासु ठेल देलकै ओमहर
चुगला दांत खिसुठने
चुगला दांत खिसुठने परल छै ओरियानी में
पाकल पाकल दाढ़ी में ना
चुगला गेलै कोहबर घर
कनियाँ ठेल देलकै ओमहर
चुगला गेलै कोहबर घर
कनियाँ ठेल देलकै ओमहर
चुगला आँइख मरोड़ने
चुगला आँइख मरोड़ने गोरथारी
पाकल पाकल दाढ़ी में ना
चुगला गेलै पोखैर दीस
सार ठेल देलकै ओहि दीस
चुगला गेलै पोखैर दीस
सार ठेल देलकै ओहि दीस
चुगला दम तोड़ने
चुगला दम तोड़ने पड़ल छै बसबाड़ी में
पाकल पाकल दाढ़ी में ना
जतय हमर भैया बैसे
ततय चुगला चुगलपन करै
रे चुगला तोहर ई कोन बैन
ओक बैन बोक बैन
चुगला के निकलल निछक्के पाइन
चुगला करे चुगली बिलैया करे म्याउ
चुगला के जीभ हम नोईच नोईच खांउ
चुगला के जीभ हम नोईच नोईच खांउ
चुगला के जीभ हम नोईच नोईच खांउ
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !