गुरुवार, 18 सितंबर 2025

हम सपना जे देखलौं भवनमा मे लिरिक्स - ब्राह्मण गीत

Ham Sapna Je Dekhalaun Bhavanama Me Lyrics

हम सपना जे देखलौं भवनमा मे
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

सोना खराम चढ़ी अंगना में टछलथि
रुन झुन बाजय भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

पीयर धोती आ लाल जनेऊवा
हम ब्राह्मण के फिरायब भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

सोना सुराही गंगाजल पानी
हम चरण पखारब भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

सोना के थारी में छप्पन परोसल
हम भोग लगेबैन भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

कंचन थार कपूरक बाती
हम आरती उतारब भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

पाकल पानक बीड़ा लगायब
हम ठोर लगेबैन भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !