अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 सित॰ 2025
Home
/
Maithili Brahman Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
हम सपना जे देखलौं भवनमा मे लिरिक्स - ब्राह्मण गीत
हम सपना जे देखलौं भवनमा मे लिरिक्स - ब्राह्मण गीत
Ham Sapna Je Dekhalaun Bhavanama Me Lyrics
हम सपना जे देखलौं भवनमा मे
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
सोना खराम चढ़ी अंगना में टछलथि
रुन झुन बाजय भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
पीयर धोती आ लाल जनेऊवा
हम ब्राह्मण के फिरायब भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
सोना सुराही गंगाजल पानी
हम चरण पखारब भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
सोना के थारी में छप्पन परोसल
हम भोग लगेबैन भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
कंचन थार कपूरक बाती
हम आरती उतारब भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
पाकल पानक बीड़ा लगायब
हम ठोर लगेबैन भवनमा में
ब्राह्मण बाबू छैथ ठार अंगनामा में
इहो पढ़ब :-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2016/09/shri-durga-chalisa.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/chal-mithila-me-chal-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !