...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

31 जन॰ 2014

लाल! की लाल! - वैद्यनाथ मिश्र यात्री


की लाल? की लाल?
की लाल? की लाल?
अढ़ लक फूल लाल!
आरतिक पात लाल!
तिलकोड़क फऽड़ लाल!
छउँड़ीक ठार लाल!
छओँड़ाक टाइ लाल!
सूगाक लोल लाल!
ई लाल! ओ लाल!
की लाल? की लाल!
शोणित लाल, क्रांति लाल!
युद्धोत्तर शांति लाल!
रूसकेर देह लाल!
चीनकेर कोँढ़ लाल!
अमेरिकाक नाक लाल!
ब्रिटेनक जीह लाल!
ई लाल! ओ लाल!
की लाल! की लाल!
हम्मर मोसि लाल!
अहाँक कलम लाल!
हिनकर पोथी लाल!
हुनकर गत्ता लाल!
ककरो गाल लाल!
ई लाल! ओ लाल!

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »