अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
2 अक्टू॰ 2014
Home
/
Maithili Kavita
/
Nagaarjun Yatri Ji
/
Patraheen Nagan Gachh
/
कंकाले-कंकाल - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
कंकाले-कंकाल - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
शिशु कंकाल
तरूण कंकाल
वृद्ध कंकाल
कंकाल वृद्धाक
कंकाल तरूणीक
कंकाल ननकिरबीक
फड़िच्छ चमड़ीवला कंकाल
टहलैत-बुलैत कंकाल
चलैत-फिरैत कंकाल
पड़ल कंकाल
ठाढ़ कंकाल
सूतल कंकाल
जागल कंकाल
सुखाएल थनबला कंकाल
चोकड़ गर्भबला कंकाल
मालगाड़ीबला साइडिंग दिश
लाइन केर दोबगली
भरि भरि आँजुर, भरि भरि मुट्ठी
दाना मिश्रित धूरा उठबैत कंकाल
सप्लाइ विभागक चपरीसक नजरि थाहैत कंकाल
दू दू टा प्लेटफार्म सोझाँसोझी टपैप
गोड़ पाँचेक कुलीक
एक मिसिया मात्सर्य, एकरती सहानुभूति
अनायास हासिल करैत कंकाल
जेठक दुपहरियामेँ जरैत कंकाल
गाया दिशुक कोनो ब्रोडगेज स्टेशन
कीछल हेतइ नाम?
अनुग्रह नारायण रोड़!
आ कि गुरारू! आ कि किदन!
मुदा एखन तँ शेष रहि गेल अछि
ओतुक्का स्मृतिक खतामेँ!
कंकाले कंकाल
कंकाले कंकाल...
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/10/mahatma-gandhi.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/beech-sadak-par-maithili-kavita.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !